नागदह मे विद्यापति स्मृति पर्व समारोह संपन्न


मधुबनी: जिलाक नागदह गाम मे द्विदिवसीय विद्यापति स्मृति पर्व समारोह आ सांस्कृति कार्यक्रम विगत 12 आ 13 दिसम्बर क' संपन्न भेल. कार्यक्रमक उद्घाटन मुख्य अतिथि विधान पार्षद रामप्रीत पासवान, भाजपा नेता विनोद नारायण झा संयुक्त रूप सँ दीप प्रज्वलित कए केलनि. तदुपरान्त मिथिलाक सुप्रसिद्ध गायक कुँज  बिहारी मिश्र पारम्परिक गीत जय जय भैरवि, मंगलाचरण आ स्वागत गीत सँ कार्यक्रमक शुभारम्भ कयलनि. मुख्य अतिथि ओ अन्य अतिथि लोकनि केँ पाग - दोपटा इत्यादि सँ स्वागत कएल गेलनि. एहि अवसर पर कुञ्ज बिहारी कें "मिथिला गीत मार्तण्ड" सम्मान सँ  सम्मानित कएल गेलनि. 12 दिसम्बरक कार्यक्रम तीन चरण मे छल पहिल चरण मे उद्घाटन, स्वागत आ विद्वत जनक विचार, दोसर चरण  मे कवि सम्मलेन आ तेसर चरण मे महेंद्र  मलंगियाक लिखल नाटक "छुतहा घैल"क मंचन. 

पहिल चरण मे पूर्व विधायक विनोद नारायण झा विद्यापतिक मिथिला - मैथिलीक लेल कतेको योगदान पर विस्तृत ध्यानाकर्षित करौलाह. तकरबाद रामप्रीत  पासवान, मिथिला विश्वविद्यालयक प्रोफ़ेसर फूलधारी सिंह प्रभाकर अपन अभिभाषण मे कहलाह जे प्राप्त अभिलेखक अनुसार विद्यापतिक अवसान 94 वर्षक आयु मे भेलनि। पूर्व जिला परिषद अध्यक्ष सतीश चन्द्र झा, कांग्रेस जिला अध्यक्ष शीतलाम्बर झा, ए० आई० एस० एफ० राज्य सचिव विजय मिश्र अपन विचार रखैत कहलाह जे मिथिला-मैथिलीक प्रति चिंतन सिर्फ विद्यापति स्मृति समारोह मेंकएला सँ  कोनो विशेष लाभ नहि बुझना जाइछ अपितु एहि लेल सब वर्गक - वर्णक लोक  आगा बढ़ि ध्यान देथु आ अपना - अपना बाल - बच्चा कें मिथिला - मैथिलीक बोली, लिपिक संग संस्कार सँ  सेहो सिंचथि. साहित्यकार उदय चन्द्र झा "विनोद", आ कार्यक्रमक अध्यक्ष, साहित्यकार बुद्धिनाथ झा सेहो अपन विचार एहि मंचक मादे परसलाह. 

दोसर चरण मे कवि सम्मलेन छल जाहि मे करीब बीसोटा कवि लोकनि भाग लेने छलाह जकर संचालनक जिम्मा कवि अजीत आजादकेँ छलनि. एहि कवि गोष्ठी मे काव्य धारा देखिते आ सुनिते बनैत छल. अजीत आजादक कविता डिगडिगिया बजबअ दे रे डिगडिगिया  बजबअ दे दर्शक लोकनि के खूब पसिन अयलनि। ओना त' सब कियो एक पर एक छलाह जेना कवि अर्जुन कविराज, उदय चन्द्र झा "विनोद", बौआ झा, बुद्धिनाथ झा आ अन्य. 

तेसर चरण राति  करीब 9 बजे सँ  महेंद्र मलंगिया लिखल नाटक "छुतहा घैल"क मंचन प्रारम्भ भेल. एहि  नाटकक मंचन शिक्षक नन्द कुमार झाक निर्देशन मे कएल गेल. जाहि मे भाग लेने छलाह विद्यानंद झा (विनय झा), भास्कर मिश्र, हर्षू  झा, रंजीत  झा, टेकन झा, रतन झा, सरोज झा, भगवान झा, चन्दन झा, अमित झा, भालचंद्र झा आ नवल मिश्र. 

दोसर दिन अर्थात  13 दिसम्बर क राति मे सांस्कृति कार्यक्रमक आयोजन छल.  पूर्व विधायक विनोद नारायण झा एहि कार्यक्रमक उदघाटन केलाह आ तकर बाद सांस्कृति कार्यक्रम राति भरि चलल. एहि कार्यक्रम मे मुख्य रूप सँ  कुञ्ज बिहारी मिश्र, राम बाबू झा, सुरेश पंकज, नन्द जी, राजनीति रंजन, पूनम मिश्रा, पुष्कर भारती, दुर्गा नाथ झा, हास्य कलाकार राम सेवक ठाकुर छलाह जे दर्शक लोकनि केँ  भरो राति बिना रस्सिक बान्हि रखने छलाह आ कतेको गामक लोक केँ अपन मिठगर , रमनगर गीत सँ आनन्दित कएलनि. नृत्य कलाकार  अजय आ नीलू सेहो नेपाल सँ आयल छलीह जिनका दर्शक लोकनि सँ खूब यश प्राप्त भेलनि. गायक लोकनिक म्यूजिक देलखिन राजनिति रंजनक टीम जाहि मे ध्रुव नारायण, राम आशीष, विपिन, रणजीत, दीपक आ अशोक छलाह.  

कार्यक्रमक मुख्य संयोजक भास्कर मिश्र छलाह जाहि मे समस्त ग्रामीण गाम सँ बाहर धरिक पूर्ण सहयोग प्राप्त छलनि  आ कहला जे प्रयास रहत जे ई कार्यक्रम मे निरंतरता बनल रहय ताहि लेल हम समस्त ग्रामीणक संग प्रयासरत रहब. कार्यक्रमक अन्त मे कार्यक्रमक अध्यक्ष कृष्णदेव झा अपन बात रखैत धन्यवाद ज्ञापन केलनि.

रिपोर्ट : संजय झा 'नागदह'
Previous Post Next Post