जानकी सेवा संघक 'मैथिली दिवस समारोह' 27 कें

कलकत्ता : जानकी सेवा संघ, कोन्नगर आगामी रवि अर्थात 27 दिसंबरकें मैथिली दिवस समारोह मनबए जा रहल अछि. विगत किछु बरख सं संघ ई कार्यक्रम आयोजित करैत अछि. एहि अवसर पर अष्टजाम ओ सांस्कृतिक अनुष्ठान आयोजित रहैत अछि. मैथिलीकें संविधानक आठम अनुसूचिमे स्थान देल जयबाक उपलक्ष्यमे ई आयोजन होइत रहल अछि. 

विद्यापति लेन (शास्त्रीनगर)मे भारी संख्या मे प्रवासी मैथिल छथि आ ओ लोकनि बेस उत्साह सं ई पर्व मनबैत छथि.
Previous Post Next Post