अंग्रेजीक कवि आ समीक्षक रूपें पहिचान

मैथिली साहित्य आ सिनेमा मे योगदान
भास्करजी अंग्रेजीक विद्वान रहितो मातृभाषा मैथिली मे सतत लेखनी चलबैत छथि आ मैथिली साहित्यकार मध्य बेस चर्चित युवा चेहरा छथि. मैथिली गीत, गजल, कविताक संग समीक्षा सेहो लिखैत छथि. एकर संगहि मैथिली नाटक, सिनेमा पर हिनक रिसर्च अतुलनीय अछि. ई मैथिली सिनेमा विषयक ब्लॉग सेहो लिखैत छथि.
भाषा-साहित्य, कला विषयक प्रखर वक्ता
भास्कर बाबू जें भाषाविद छथि, साहित्य पर हिनक नीक पकड़ि छनि. विभिन्न आयोजन मे बतौर वक्ता ई श्रोताक धियान आकर्षित करैत छथि. विविध विषयक सूचना एकत्रित क' पाठक आ श्रोताक सोझाँ आनब हिनक विशेषता रहल अछि.
मिथिमीडियाक सहयोगी आ सुचिन्तक
मिथिमीडिया शुरू भेलैक त' भास्कर बाबू एकर सिनेमा आ कला विषयक संपादन करैत छलाह आ एखनो बतौर परामर्शक जुड़ल छथि. साहित्य आ कला संबंधी निबंध आदि विभिन्न पत्र-पत्रिका मे अबैत रहैत छनि. एहिना आगू बढ़थि से शुभकामना!

Tags:
हालचाल : एहिपार