नेपाल विद्यापति पुरस्कारक घोषणा

जनकपुर: नेपाल सरकार द्वारा देल जायवला विद्यापति पुरस्कारक घोषणा भ' गेल अछि. एहि पुरस्कारक तहति पांच विधा मे उल्लेखनीय कार्य हेतु प्रतिवर्ष 5 गोटे कें सम्मानित कएल जाइछ.

एहि वर्षक लेल विद्यापति मैथिली साहित्य पुरस्कार जनकपुरक रामानंद युवा क्लब कें, विद्यापति मैथिली कला-संस्कृति पुरस्कार श्याम सुंदर यादव कें, विद्यापति मैथिली अनुसंधान पुरस्कार डॉ वासुदेव लाल दास कें, विद्यापति मैथिली पाण्डुलिपि पुरस्कार चन्द्रशेखर लाल शेखर कें ओ विद्यापति मैथिली अनुवाद पुरस्कार धीरेंद्र प्रेमर्षि कें देल जयबाक घोषणा भेल अछि. साहित्य पुरस्कार लेल २ लाख टाका तथा शेष चारि हेतु १ लाख टाका पुरस्कार राशि राखल गेल अछि.
Previous Post Next Post