मैथिली फिल्म 'अपन प्रेम' हेतु काज शुरू


समस्तीपुर: विगत किछु बरख सं मैथिली फिल्म निर्माण मे तेजी देखल गेल अछि. मैथिली फिल्म उद्योग स्थापित हो ताहि लेल एक दिस फिल्म निर्माता-निर्देशक लोकनिक प्रयास जारी अछि त' दोसर दिस दर्शक बाट ताकि रहल अछि एहन मैथिली फिल्म कें जे ओकरा बेस मनोरंजक आ सार्थक लगैक. एही प्रयास हेतु फिल्म निर्माण क्षेत्र मे आगू अएलाह अछि नरेश मंडल. मैथिली फिल्म 'अपन प्रेम' बनेबाक घोषणाक संगहि ओ फिल्म निर्माण कंपनी 'आनंद फिल्म प्रोडक्शन हाउस' शुरू केलनि अछि. समस्तीपुर स्थित एहि फिल्म कंपनी कार्यालयक उद्घाटन किछु दिन पूर्व स्थानीय विधायक अख्तरूल इमाम शाहिन हक केलनि. 

निर्देशक नरेश मंडल जनओलनि अछि जे मिथिला मे फिल्म प्रोडक्शन कंपनी रहने लोक कें फिल्म निर्माण लेल मुंबई जेबाक जरूरति नै हेतनि आ एहना मे समय-श्रम आ धन कें बचाओल जा सकत आ नीक सं नीक मैथिली फिल्म निर्माणक बाट फुजत.

ज्ञात हो जे नरेश कतेको धारावाहिक हेतु पोस्ट प्रोडक्शन हेड केर रूप मे काज क' चुकल छथि. ओ एक बांगला आ एक नेपाली फिल्म सं सेहो जुड़ल रहल छथि. लगभग सात बरखक फिल्म ओ टीवी केर कार्य अनुभव ल' अपन भाखा मे फिल्म निर्माणक नियार मे जुटल नरेश सं बेस आशा कएल जा सकैत अछि. तखन देखबाक चाही ई अपन पहिल मैथिली फिल्म सं लोकक कतेक प्रेम पबै छथि आ हिनक कटिबद्धता कतेक रंग अनैए. हिनका मिथिमीडिया दिस सं अशेष शुभेच्छा.
Previous Post Next Post