दड़िभंगा: विद्यापति सेवा संस्थान द्वारा आयोजित तीन दिवसीय विद्यापति समारोहक मध्ये डॉ बैधनाथ चौधरी 'बैजू' केर जहल सं बाहर आयब संजोग भ' सकैछ. मुदा कार्यकर्ता लोकनिक उत्साह कतेको गुना बढ़ि गेल. ललित नारायण मिथिला यूनिवर्सिटीक एक पुरान आन्दोलनक कारणेँ बैजू आत्समर्पण केने छलाह.
लगभग तीन मास सं डॉ बैजू जहल मे बन्न छलाह. हिनका बाहर निकालबाक जुगत मे कार्यकर्ता लोकनि छलाह. समारोहक मध्य हुनक रिहाइ सं सभ के नवउर्जा भेटलैक. जहल सं बहरएलाक कारणे हिनक सम्मान मे कार्यक्रम आयोजित भेल. सोशलमीडिया सहित विभिन्न माध्यम सं लोक हिनक रिहाइ पर शुभेच्छा प्रकट क' रहल अछि. मैथिल लोकनिक बीच हर्षक माहौल अछि.
Connect