सिनेमाक सफल प्रदर्शन अछि शुभ संकेत!

कलकत्ता. मैथिली सिनेमाक नीक दिन घूरि रहल अछि. लगातार बहुत रास फ़िल्म बनबाक संगहि मैथिली सिनेमाक समक्ष हॉलक समस्या केर समाधान भ' गेल अछि, एहना बुझना जाइत अछि. किछु दिन पहिने रिलीज़ भेल मैथिल फ़िल्म  'सौतिनक बेटी' केर एक संग सात-आठटा हॉलमे प्रदर्शित होयब अपना आपमे एकटा पैघ उपलब्धि अछि. प्राप्त सूचनाक अनुसार ई फ़िल्म दरभंगे, मधुबनीटा नहि, बेगुसराय आदि जिलामे सफ़लतापूर्वक चलि रहल अछि जे मैथिली सिनेमा आ मैथिली सिनेप्रेमी लेल शुभ संकेत मानल जा सकैत अछि. एसकेवाई फिल्म प्रोडक्शन द्वारा प्रस्तुत मैथिली फिल्म 'सौतिनक बेटी' केर शुभ प्रीमियर दरभंगा/ लहेरियासराय केर प्रसिद्ध लाइट हाउस सिनेमा हॉलमे कएल गेल छल. फिल्मक निर्माता संजय कुमार यादव छथि. धर्मेन्द्र यादव केर निर्देशनमे बनल ई फ़िल्म दर्शक खूब पसिन कयलक. माधव राय, भावना शर्मा, अमरेश अमृत, संगीता यादव, शिव कुमार यादव आदि कलाकार सं सजल एहि फिल्म मे संगीत देने छथि पुनीत शर्मा. फ़िल्मक एकटा खास विशेषता अछि जे मिथिलाक चर्चित गायक माधव राय पहिल बेर कोनो फ़िल्ममे अभिनेताक रूपमे पर्दा पर उतरलाह. (Report/Photo : भास्कर झा)
Previous Post Next Post