'मिथिला आन्दोलन केर नव युगक आरम्भ'

दड़िभंगा. अखिल भारतीय मिथिला पार्टी केर आह्वान पर सामूहिक उपवास केर आयोजन कयल गेल.  ई आयोजन विभिन्न मांग कें ल' दड़िभंगा मे १७ आ १८ सितम्बर कें कयल गेल.  मिथिलाक एकमात्र केन्द्रीय संस्थान आइआइआइटी कें दड़िभंगा सं बिहटा स्थानांतरित करबाक विरोध मे सामूहिक उपवास बजाओल गेल.  एहि  मे मिथिला क्षेत्र केर विभिन्न जिला मे विश्वविद्यालय ओ शिक्षण संस्थान आदि केर स्थापनाक संगहि शिक्षण कर्मचारी लोकनिक विभिन्न मांग सेहो शामिल अछि. पार्टी नेता केर अनुसार अखिल भारतीय मिथिला पार्टी केर एहि जनहितकारी कार्यक्रम सं मिथिला आन्दोलन केर नव युगक आरम्भ भ' रहल अछि. IIIT केर स्थानांतरणक विरोध आ पृथक मिथिला राज्यक गठन हेतु 'अखिल भारतीय मिथिला पार्टी' द्वारा दड़िभंगा मे आयोजित दुइदिनक (१७ आ १८ सितम्बर २०१३) सामूहिक उपवास आ धरना मे 10 गोट मैथिल उपवास पर बैसलाह. ओ छथि रत्नेश्वर झा, मनोज झा, कौशल कुमार, अनूप चौधरी, बहिन रेनू झा, दिनेशानंद सिंह, बहिन ममता शर्मा, बहिन मिलन देवी, जोगी जनक कुशवाहा, बहिन विमल दास. एहि संपूर्ण कार्यक्रम मे विभिन्न क्षेत्रक लोक सभ सेहो भाग लेलनि. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post