परिसंवाद ओ लेखक सं भेंट 22 कें

> साहित्य अकादेमी केर कार्यक्रम
कलकत्ता. आगामी रविदिन कोलकाता स्थित क्षेत्रीय कार्यालय मे भोरे १० बजे सं साहित्य अकादेमी द्वारा परिसंवाद ओ लेखक सं भेंट कार्यक्रम आयोजित कयल गेल अछि. कार्यक्रम मे मैथिली भाषा ओ साहित्यक विकास मे साहित्यिक पत्र-पत्रिकाक योगदान विषय पर परिसंवाद होयत. एकर संगहि लेखक सुरेश्वर झा अपन रचनात्मक यात्रा कें सभक सोझां रखताह. साहित्य अकादेमी सभागार मे आयोजित कार्यक्रमक उद्घाटन प्रख्यात मैथिली लेखक भोगेन्द्र झा करताह. उद्घाटन सत्र केर अध्यक्षता प्रतिष्ठित मैथिली लेखक उदय नारायण सिंह 'नचिकेता' करताह. कार्यक्रम मे मैथिली परामर्श मंडल केर संयोजिका वीणा ठाकुर उपस्थित रहतीह. कामदेव झा जे कोलकाता सं मैथिली परामर्श मंडल केर सदस्य छथि, धन्यवाद ज्ञापन करताह. तीन सत्र मे आयोजित परिसंवाद कार्यक्रमक बाद लेखक सं भेंट कार्यक्रम होयत. .राजनन्दन लाल दास, तारा कांत झा, रामलोचन ठाकुर, वीरेंद्र मल्लिक, नवीन चौधरी, किशोरीकांत मिश्र, महेंद्र हजारी, गुणनाथ झा, अशोक झा, मिथिलेश कुमार झा ओ अनमोल झा परिसंवाद सत्र मे भाग लेताह. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post