ABMP केर आह्वान पर सामूहिक उपवास

दड़िभंगा. अखिल भारतीय मिथिला पार्टी केर आह्वान पर सामूहिक उपवास केर आयोजन कयल गेल अछि. ई आयोजन विभिन्न मांग कें ल' दड़िभंगा मे १७ आ १८ सितम्बर कें कयल जायत. पार्टी सूत्रक अनुसार मूल रूप सं मिथिलाक एकमात्र केन्द्रीय संस्थान आइआइआइटी कें दड़िभंगा सं बिहटा स्थानांतरित करबाक विरोध मे सामूहिक उपवास बजाओल गेल अछि. धरना दड़िभंगा उपयुक्त कार्यालय लग होयत. एकर अतिरिक्त मिथिला क्षेत्र केर विभिन्न जिला मे विश्वविद्यालय ओ शिक्षण संस्थान आदि केर स्थापनाक संगहि शिक्षण कर्मचारी लोकनिक विभिन्न मांग सेहो शामिल अछि. पार्टी दिस सं मिथिला राज्य आन्दोलनक संगहि स्थानीय समस्या सभ पर सेहो सरकार केर धियान आकर्षित करबाक लेल प्रयास कयल जा रहल अछि.  
(Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post