'घर आंगन' मे 'डमरू उस्ताद'क शूटिंग

नव दिल्ली. परिवारिक फ़िल्म 'सिन्दुरदान'क बाद आब निर्देशक अनूप कुमार लए कए आबि रहल छथि अपन अगिला मैथिली फ़िल्म 'डमरु उस्ताद'. अनूप जी डीडी 1 सं 21 बर्खसं जुड़ल स्थापित लेख़क आ निर्देशक छथि. सम्प्रति ओ P7 NEWS दिल्ली एनसीआर आ मध्य प्रदेश केर प्रोग्राम हेड छथि. प्रसिद्ध रंगकर्मी आ मैथिली फ़िल्मक सफ़ल ओ स्थापित अभिनेता अनिल मिश्र, शुभनारायण मिश्र, कल्पना मिश्र, विजय मिश्र आ अभिनेत्री नेहाश्री अभिनित एहि फ़िल्ममे संगीत द' रहल छथि लोकप्रिय गायक आ संगीतकार पवन नारायण. फ़िल्मक शूटिंग जुलाइ सं प्रारंभ होमय जा रहल अछि. किछु दिन पहिनहि एहि फ़िल्मक गीत पर काज सम्पन्न भेल. फ़िल्मक स्क्रिप्ट, कास्टिंग एवं शूटिंग लोकेशन फ़ाइनल भ' गेल अछि.
दोसर दिस एकटा आओर मैथिली फ़िल्म 'घर आंगन'क निर्माणक समाद आयल अछि. 'गरीबक बेटी', 'मायक कर्ज', 'सुहागिन' , 'हमर अप्पन गाम अप्पन लोक', 'खुरलुच्ची', 'हमर सौतीन' आदि सहित ताबरतोर कयकटा मैथिली फ़िल्मक निर्देशन केनिहार जमीनी युवा निर्देशक मनोज झाक निर्देशनमे बनयबला एहि फ़िल्मक शूटिंग सेहो संभवतः जुलाइ सं प्रारंभ होयत. (Report:
भास्कर झा )
Previous Post Next Post