राजविराज मे नगर विकास हेतु परिचर्चा

राजविराज (नेपाल). राष्ट्रक सबसँ पुरान नगरपालिका रहल राजविराज नगरपालिका विकास निर्माण मे पछुआएल जा रहल अछि. एहि कें ल' नगरबासी चिन्ता व्यक्त कयलनि अछि. सञ्चार यात्रा नेपाल द्वारा मंगलदिन राजविराजमे आयोजित सार्वजनिक सुनुवाइ कार्यक्रममे नगरबासीसभ अपन बात रखलनि.
नगरपालिका सभाहालमे आयोजित कएल गेल सुनुवाइ कार्यक्रममे बजनिहार अधिकांश वक्तासभ २०१६ सालमे नगरपालिका घोषणा भेल राजविराज नगरपालिका विकासक गतिमे पछुआएल रहबाक बात कहलनि आ नगरपालिकाक स्तर बृद्धि करैत आगू बढबा हेतु साकांक्ष होयबाक बात सेहो कहल गेल. सञ्चारकर्मी हेम शंकर सिंह कहलनि  “राष्ट्रक सबसँ पुरान भारतक शहर जयपुरक नक्शा पर आधारित नगरपालिका सफ़ाइ आदि हिसाबे सेहो दयनीय स्थिति मे अछि. एहन स्थिति लेल नागरिक सेहो जिम्मेदार अछि सेहो कहल गेल. कार्यक्रमक अतिथि तथा मैथिल महासंघक अध्यक्ष विष्णु मण्डल कहलनि जे कर्मचारी आ नगरवासी कें समान रूप सं अपन जिम्मेदारी निमाहबाक चाही.
कार्यक्रमके अन्तमे बजैत  प्रमुख अतिथि तथा कार्यकारी अधिकृत देवराज चौलागा कहलनि  १६ सालसँ जम्मा भेल समस्या एकहि बेर समाधान करब असम्भव अछि मुदा योजना बना क्रियान्वयन करब आवश्यक. सञ्चार यात्रा नेपालक अध्यक्ष करुणा झाक अध्यक्षतामे आयोजित सार्वजनिक सुनुवाइ मे विष्णु मण्डल, पत्रकार ब्यासशंकर उपाध्याय, अम्बिका दहल, विनयलाल कर्ण, श्रवण देव, शुभचन्द्र झा, सुधा देव, गैसस महासंघक अध्यक्ष श्यामकान्त चौधरी, पार्थो सरकार, साधना झा, नागरिक समाजक थानसिंह भन्साली, पार्वती राउत सहित अनेक लोकनि अपन बात रखलनि. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post