> १३ नवम्बर सं ७ दिसंबर धरि मिथिला परिक्रमा

हुनका अनुसार मिथिला परिक्रमा दोवोत्थान एकादशी सं विवाह पंचमी धरि चलत. अर्थात १३ नवम्बर सं ७ दिसंबर धरि मिथिला परिक्रमा सिमरिया सं चलत आ मिथिलाक २० लोकसभा क्षेत्र सं होइत निकलत जाहि मे १९ गोट जिला अबैत अछि. 'मिथिला परिक्रमा' केर घोषणा सं ई बुझब स्वाभाविक अछि जे अखिल भारतीय मिथिला पार्टी परिक्रमा बहन्ने आगामी लोकसभा चुनाव लेल डाँर कसि रहल अछि. खैर जे हो मिथिला राज्यक मांग आ संवैधानिक अधिकार केर रक्षब आ एहि लेल जागरण करब कोटि-कोटि मैथिलजन लेल नीक डेग कहल जायत. (Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)