DIFF 2013 : फिल्म स्क्रीनिंग लिस्ट जारी

नव दिल्ली/दड़िभंगा. पहिल बेर अंतरराष्ट्रीय फिल्म फेस्टिवल केर शुरूआत लेल दड़िभंगा तैयार अछि आ तैयार छथि आयोजक. दरभंगा फिल्म क्लब दिस सं 2-3 फरवरी कें आयोजित दरभंगा अंतरराष्ट्रीय फिल्म फेस्टिवल केर स्क्रीनिंग लिस्ट जारी क' देल गेल अछि. दू दिनक एहि आयोजन मे मैथिली सहित आन-आन भाषा केर फिल्म सेहो समाहित कयल गेल अछि. फेस्टिवलक संयोजक मेराज सिद्दीकी मिथिमीडिया कें जनओलनि जे एहि फेस्टिवल मे आबयबला मैथिली फिल्म सभक विषय मे सेहो देखाओल जायत. मेराज कहलनि जे पहिल बेर एहन आयोजन सं मिथिलाक लोक आ विशेष क' मैथिली कलाकार आ सिने जगतक व्यक्तित्व लोकनि मे नव उत्साह आओत. एहि कार्यक्रम मे सिनेमा सं जुडल व्यक्ति सभक सम्मान सेहो कयल जायत.
कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय केर दरबार हाल ऑडिटोरियम मे आयोजित फेस्टिवल केर दुनू दिन दिनक 11 बजे सं सांझ 5 बजे धरि कार्यक्रम आयोजित अछि. पहिल दिन 'कखन हरब दुःख मोर' फेम निर्देशक संतोष बादल केर 'द रिटर्न  आफ जगदीश चन्द्र बसु' सहित 3 गोट फिल्म देखाओल जायत त' दोसर दिन सांस्कृतिक कार्यक्रम ओ मैथिली लघु फिल्म 'कमला' सहित 7 गोट फिल्म देखाओल जायत. एकर संगहि अवार्ड सेरेमनी सेहो होयत.
मेराज बतओलनि जे एहि कार्यक्रम मे देश-विदेश केर नामी हस्ती सभ भाग लेताह. मैथिली फिल्म जगत केर व्यक्तित्वक संगहि साहित्यकार ओ अन्य बुद्धिजीवी वर्गक लोक सेहो उपस्थित रहताह. (Report: मिथिमीडिया सिने ब्यूरो)
Maithili News, Mithila News,  Maithili Sahityakaar, Gajal, Kavita, Sampark, Goshthi, Maithili News
Previous Post Next Post