झंडोतोलन आ अखंड रामायणक भेल आयोजन

हावड़ा. पश्चिम बंगालक हावड़ा जिला अंतर्गत बेलूरक मिथिला सेवा समितिक सभागार मे पहिल सत्र मे झंडोतोलन मिथिला सेवा समिति चैरिटेबल ट्रस्टक चेयरमेन दिनेश मिश्र केलनि. एहि अवसर पर प्रसिद्ध रंगकर्मी भवनाथ झा अपन अभिभाषण क्रम मे मिथिला आ आजादीक विषय मे इजोत देलनि. समितिक सदस्य राघवेन्द्र झा सेहो भारतीय नारीक अस्मिता पर इजोत देलनि. दोसर सत्र मे श्री रामचरित मानस गोष्ठी परिवार द्वारा गोस्वामी तुलसीदासजी विरचित श्री रामचरितमानस अखंड पाठक आयोजन 26 जनवरी 2013 सं 27 जनवरी 2013 धरि कयल गेल. जाहि मे स्थानीय मैथिल पंडित लोकनि पाठ केलनि. मूल-मंत्र सीताराम चरण रति मोरे। अनुदिन बढ़ऊ अनुग्रह तोरे। छल. मुख्य पंडित श्रवणजी नियम निष्ठाक संग पूजा-अर्चना केलनि. एहि अवसर पर मिथिला सेवा समितिक सचिव केर भव्य नृत्य सराहल गेल. एहि शुभ अवसर पर मिथिला सेवा समिति आ गोष्ठीक सभ पदाधिकारी लोकनि उपस्थित छलाह. रंगकर्मी भवनाथ झा समापन कार्यक्रम मे सभ श्रोता कें धन्यवाद ज्ञापन केलनि. पंडित आ गायक दिलीप झाक गायन खूब सराहल गेल. एहि मे विशेष रूप सं नागेन्द्र जी, सुमन झा, ललन झा, अरुण मिश्र, अशोकजी, सुभाष जी, राजकुमार झा, नवीन चौधरी, संजय झा, भरत झा आ संजीव झा (गुड्डू)  सहित अन्य सदस्य लोकनि सक्रिय देखल गेलाह. (Report/Photo: प्रकाश झा)
Previous Post Next Post