कलकत्ता मे मैथिल यूथ

कलकत्ता. मैथिल यूथ परिषद् अपन शाखा कोलकाता मे स्थापित कयलक अछि. बहुत कम समय मे क्रियाकलाप सं चर्चा में आयल आ दिल्ली सं दड़िभंगा धरि पसरल जा रहल उत्साही युवा लोकनिक संगठन मैथिल यूथ परिषद् एक डेग आओर बढबैत एतय अपन शाखा बैसओलक अछि. एहि क्रम मे विगत शनिदिन मध्य कोलकाता मे एक गोष्ठी आयोजित कयल गेल छल. व्यापक विमर्श केर बाद केन्द्रीय कमेटी केर निर्देश पर अरविन्द कुमार झा कें महानगर केर कार्यभार देल गेल. रविदिन बेलूर मे परिषद् प्रसार उद्देश्य सं गेल छल आ स्थानीय मिथिला भवन मे विचार-विमर्श आ गोष्ठी भेल. अरविन्द कुमार झा परिषद् दिस सं मिशन आ विजन पर इजोत देलनि. (Report/Photo: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post