झमटगर रहल जैतपुरक कार्यक्रम

> विद्यापति पर्व समारोह संपन्न 
नव दिल्ली. मिथिला सेवा संघ, जैतपुर (नव दिल्ली) केर तत्वाधानमे दिनांक 01.12.2012, शनिदिन लगातर चारिम बरख 'विद्यापति पर्व समारोह' केर आयोजन कएल गेल. संस्थाक मुख्य संरक्षक यू .एन. मिश्र द्वारा दीप प्रज्वलित कए कार्यक्रमक शुभारम्भ कएल गेल. तदुपरांत संस्थाक अध्यक्ष, उपाध्यक्ष, सचिव एवं अन्य विशिष्ट अतिथि लोकनि मंच पर आबि महाकवि विद्यापति जीक प्रतिमा पर माल्यार्पण कएलनि. जैतपुर थाना केर एस. एच. ओ. अरविन्द शर्मा जी समारोहमे उपस्थित मैथिलजन कें संबोधित कएलनि. विशिष्ट अतिथिक रूपमे समाजसेवी नरसिंह साह, निगम पार्षद श्रीमति शिखा साह आ संगम विहार (न
दिल्ली) केर निगम पार्षद श्रीमति कल्पना झा आमंत्रित छलथि. नरसिंह साह समारोह कें संबोधित करैत कहलनि जे मैथिली सभ्यता आ संस्कृतिक अलग विशेषता अछि. साह समारोहक मंचसँ नगर निगम केर अनौपचारिक प्रतिनिधिक रूपमे ई आश्वासन देलनि जे समारोह स्थलसँ सटल नाला मार्गक नाम "विद्यापति मार्ग" राखल जाएत आ चौबटिया पर महाकवि विद्यापति जीक प्रतिमा लगा चौकक नाओ "विद्यापति चौक" राखल जाएत. संगहि जैतपुरमे मिथिला समाज लेल 250 गज केर एकटा प्लाट देबाक सेहो आश्वासन देलनि. साह संस्थाक नामे एक लाख टका देबाक आश्वासन सेहो देलाह. कार्यक्रम मे साह "मिथिला सेवा संस्थान" केर सक्रिय कार्यकर्ता सभ कें दोपटासँ सम्मानित कएलनि. विदित हो जे श्री साह निगम पार्षद श्रीमति शिखा साह केर पति छथि. श्रीमती कल्पना झा सेहो समारोह कें संबोधित केलनि आ संगठित होयबाक आह्वान कयलनि. 
मंचक सञ्चालन रामसेवक ठाकुर अपन चिर-परिचित अंदाज मे करैत सगर राति दर्शक सभ कें गुदगुदबैत रहलाह. कलाकार सभमे रामबाबू झा, पूनम मिश्र,  पूजा झा, माधव राय अपन गीत सभसँ दर्शक सभके मनोरंजन कएलनि. कार्यक्रम भोर केर छः बजे धरि चलल.
समारोह मे जतए एक दिस गीत-नादक रमन-चमन छल ओतए दोसर दिस पंडालक बाहर  माछ-भात आ चाह-पान केर दोकानक ओरियान सेहो कएल गेल छल. समारोह स्थलक प्रांगनमे मिथिला संस्कृतिसँ सम्बंधित वस्तु सभ एक ठाम सहेज क' राखल गेल छल. पाग, खराम, पीढ़ी, पान, मखान, माछ, उक्खरि -समाठ, नारिकेर, मटकूर मे  पौरल दही, चंगेरामे राखल चूड़ा, केराक घौर, खाजा-लड्डू, पिरिकिया, इत्यादि देखबा लेल मैथिलक संगे-संग मिथिलानी सभ सेहो उत्सुक छलीह. प्रांगनमे दोसर कात पोथी आ सी.डी. केर दोकान पर सेहो दर्शकक बेस भीड़ छल.
संस्थाक सचिव अमित कुमार मिश्र एहि कार्यक्रम केर सफलता पर कार्यकर्ता ओ योगदान कयनिहार लोकनि  कें धन्यवाद जतौलनि.
पंकज चौधरी 'नवलश्री'
Previous Post Next Post