ऐतिहासिक भेल कलशयात्रा

> राजपथ पर मैथिलानीक विराट संख्या
कलकत्ता. स्थानीय गिरीश पार्क सं भूतनाथ मंदिर धरि निकलयवला कलशयात्रा अनेको अर्थ मे ऐतिहासिक रहल. मिथिला विकास परिषद् केर सहगामी संस्था मिथिला महिला मंच द्वारा रविदिन (2 December 2012) भोरे 9 बजे आयोजित भेल. महिला मंच केर अध्यक्ष शैल झा केर अगुआइ मे आयोजित एहि कलश यात्रा मे हजारक संख्या मे मैथिलानी भाग लेलनि. विद्यापति ओ उगना पर आधारित झाकी सभ सेहो कलशयात्रा
कें बेस भक्तिमय बना देने छल. गिरीश पार्क केर विद्यापति प्रतिमा सं कलशयात्रा चित्तरंजन एवेन्यू होइत राममंदिर, चितपुर, गणेश टाकीज द' भूतनाथ मंदिर धरि गेल. समूचा बड़ाबाजार मैथिलीमय भेल छल. एहि अवसर पर कोलकाता पुलिस दुरुस्त सुरक्षा व्यवस्था केने छल. एक दिस यातायात व्यवस्था ओ दोसर दिस कलशभरी केर विराट  संख्या कें सम्हारब चुनौतीपूर्ण छल. एहि मे कोलकाता पुलिस ओ परिषद केर कार्यकर्ता अपन भूमिकाक नीक निर्वाह कयलनि.
जतय धरि नजरि पहुँचैत छल ततय धरि जुलूस नजरि अबैत छल. मैथिलानी केर ई संख्या महानगर मे इतिहास बनौलक. एहि पर मिथिला विकास परिषद् केर अध्यक्ष जनओलनि जे 1156 गोट मैथिलानी एहि लेल नामित छलीह. जाहि मे किछुए अनुपस्थित छलीह. एहि अवसर पर बिनय प्रतिहस्त, आमोद झा, राघवेन्द्र झा, नारायण ठाकुर, भास्कर झा, रत्नेश्वर झा सहित अनेको लोकनि  छलाह.   
(Report/Photo: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post