अंतरराष्ट्रीय क्षितिज आ मैथिली फिल्म लेल प्रयास

नव दिल्ली/दड़िभंगा. मैथिली फिल्म उद्योग तथा मैथिली फिल्मक 50 सालक इतिहास में पहिल बेर दरभंगा अंतर्राष्ट्रीय फिल्म फेस्टिवल केर आयोजन मिथिला केर कथित राजधानी दरभंगा मे 02 -03 फरवरी 2013 कें कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्द्यालय मे कयल जा रहल अछि. उक्त जनतब दरभंगा फिल्म क्लब द्वारा जारी विज्ञप्ति केर माध्यम सं देल गेल अछि. मैथिली फिल्म तथा मिथिलाक धरती पर बनल फ़िल्म मिथिला केर संस्कृति केर संरक्षणक माध्यम रहल अछि. तें सार्थक फिल्म मे एकर गमक सिनेमा दर्शक तथा समाज कें अपना दिस आकर्षित केलक अछि. मिथिला क्षेत्र केर सभ समुदाय केर लोक मैथिल छथि, एहि बात कें बुझबाक बेर अछि. तखने मैथिली सिनेमा गति पकड़त. फिल्म फेस्टिवल केर कोर कमेटी मे मेराज सिद्दीकी , विकास झा , संदीप पांडे, रफ़ी खान, दीपेश चंद्रा, डॉ आत्मेश चंद्रा, युगल किशोर शास्त्री, अमन अभिषेक, राम बाबू झा, शरीक नकवी, ज़फर आलम, राजेश कुमार, शाह आलम, सौरभ शुभम श्रीवास्तव, सज्जाद हुसैन, ज्योतिका चीमा, ओम प्रकाश गुंजन, आनंद शांडिल्य आदि प्रसिद्ध लोकनि छथि.
मैथिली सिनेमा कें व्यवसायिक बनयबाक लेल सरकारी स्तर सं कोनो पहल नहि कयल गेल अछि आ ने सरकार मैथिली फिल्म कें सब्सिडी देब उचित बुझलक, परिणामस्वरूप मैथिली सिनेमा पछुआ गेल. मैथिली सिनेमा कें गति देबाक लेल  भ' रहल अंतर्राष्ट्रीय फिल्म उत्सव एहि सपना कें साकार करबा लेल अग्रसर अछि. दरभंगा फिल्म क्लब द्वारा मैथिली सिनेमा तथा मिथिलाक लघु / डोक्युमेंट्री तथा अन्य फिल्म कें बढ़ावा देबाक लेल भ' रहल प्रयास दुनिया भरि मे मैथिली सिनेमा कें प्रचार मे सहायक होयत. ई मैथिली फिल्म उद्योग कें राष्ट्रीय तथा अंतर्राष्ट्रीय फिल्म उद्योग सं जोड़बाक प्रयास अछि.
सिनेमाक शुरूआती दौर मे बउक (स्वरहीन) फिल्म सं ल' सीडी धरिक सफ़र मे आब सिनेमा बनयबाक लेल भागीरथ प्रयास केर खगता नहि अछि कारण आइ-काल्हि तकनीक एतेक सस्त भ' गेल अछि जे आम आदमी सेहो फिल्म केर निर्माण क' सकैत अछि. दरकार अछि त' उचित मार्गदर्शन आ कनेक ट्रेनिंग केर, एही कोशिश मे दरभंगा फिल्म क्लब मिथिलाक कलाकार सभ कें आमंत्रण सेहो देइत अछि जे दरभंगा फिल्म क्लब केर निः शुल्क कलाकार सदस्यता हासिल क' फिल्म निर्माण तथा फिल्म संम्बंधित कला केर ट्रेनिंग प्राप्त करथि. फेस्टिवल मे फिल्म सं जुडल हस्ती लोकनि कें सम्मानित सेहो कयल जायत. (Source)
Previous Post Next Post