कर्णगोष्ठीक चित्रगुप्त पूजन ओ परिचर्चा

कलकत्ता. प्रत्येक बरख जका एहू बरख कर्णगोष्ठी कलकत्ता द्वारा चित्रगुप्त पूजन कयल गेल. बालकृष्ण विद्यालय, कादापाड़ा मे बृहस्पतिदिन १५ नवम्बर २०१२ कें कलम-दवातक पूजन कयल गेल. पूजनक पश्चात परिचर्चाक ओ प्रीतिभोज केर आयोजन सेहो छल.
'वर्त्तमान समय मे मैथिलीक विकास मे विभिन्न संस्थाक भूमिका' विषय पर आयोजित परिचर्चाक अध्यक्षता लक्ष्मण झा 'सागर' कयलनि. अशोक झा, नबोनारायण मिश्र, सुशील झा, बिनय भूषण, वेदानन्द झा, गोविन्द सरहदी, राजनन्दन लाल दास, कुमार किसलय अपन विचार रखलनि. कवि बिनय भूषण जतय मैथिली साहित्यक परिप्रेक्ष्य मे अपन बात रखलनि, ओतहि गोविन्द सरहदी अपन कविता सं वाहवाही पओलनि.  
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post