चन्दन कुमार झाक किछु शेनर्यु

1.) दलान पर
मचलै हरबिर्रो
बरात एलै !

2.) वरक बाप
फनैछ नौ-नौ हाथ
टाका खातिर !

3.) माए सुनैना
कोना परिछतीह
राम जमाय ?

4.) बेटीक बाप
पएर पकड़ने
वर-बाप के ।

5.) चण्डीक रूप
फेर धेलकै बेटी
एलै दलान ।

6.) गर्दमिसान
घुमा देलकै वर
भेलै अजुबा !!
Previous Post Next Post