फैशन वीक मे मिथिला पेंटिंग

कलकत्ता. मिथिला पेंटिंग केर उत्कृष्टता एकरा आइ राष्ट्रीय कला केर परिदृश्य मे स्थापित क' देलक अछि. एहि कलाक व्यापकता अथाह अछि आ संभावना सेहो. ज्ञात छल जे मिथिला कला आब देवालटा पर नहि सभतरि प्रयुक्त होमय लागल अछि. पाग आ धोती पर मिथिला कला उकेडल देखने होयब. मुदा प्रथम बेर रैम्प पर मॉडल मिथिला पेंटिंग सं सजल साडी पहिरि कैटवाक करत. १४ सितम्बर सं शुरू होमय जा रहल कोलकाता फैशन वीक मे मिथिला पेंटिंग सं सजल साडी देखाओल जायत.
सूत्र सं भेटल जनतबक अनुसार, मिथिला पेंटिंग एहि फैशन वीक केर मुख्य आकर्षण रहत. प्रसिद्ध फैशन डिजाइनर अग्निमित्रा पाल एहि कला कें आधुनिकताक संग साडी पर सजओलनि अछि. तीन सालक अंतराल पर होमय जा रहल कोलकाता फैशन वीक मे मिथिला पेंटिंग केर प्रस्तुति एहि कला कें नव क्षितिज दिस ल' जायत. 
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post