सितंबर मासक "संपर्क"क बैसार

कलकत्ता. सितंबर मासक "संपर्क"क बैसार दिनांक ०९ सितंबर २०१२ रविदिन नवीन प्रकाशनक कार्यालय कक्ष मे संपन्न भेल. एहि बैसारक अध्यक्षता प्रसिद्ध साहित्यकार योगेन्द्र पाठक "वियोगी'' कएलनि. विभिन्न कारणसँ रचनाकार सभक उपस्थिति कनेक कम रहल मुदा तैयो उपस्थित रचनाकार सभ बेस उत्साहपूर्वक अपन-अपन टटका रचनाक पाठ कएलनि आ' ओहि रचना पर उपस्थित आन-आन सदस्यसभ अपन प्रतिक्रिया देलनि. साँझ मे छह बजे सँ बैसार प्रारंभ भेल जे करीब दू घंटा धरि चलल. "संपर्क"क बैसार मे आशीष अनचिन्हार, रोहित कुमार मिश्र, चंदन कुमार झा आ' योगेन्द्र पाठक वियोगी अपन-अपन रचना पाठ कएलनि. आशीष अनचिन्हार जगदीश प्रसाद मंडल लिखित "गामक जिनगी" पर आधारित अपन समालोचना "आधुनिकताक समस्या"क पाठ कएलनि. एहिसँ पूर्व रोहित कुमार मिश्र अपन दूटा कविता आ' चंदन कुमार झा अपन तीनटा गजलक पाठ कएलनि जाहि पर नवीन चौधरी, रामलोचन ठाकुर, आशीष अनचिन्हार आ' योगेन्द्र पाठक "वियोगी"  विस्तृत चर्चा कएलनि. "वियोगी" बादमे अपन एकटा संस्मरणक पाठ कएलनि. एकरा अलावे नवीन चौधरी विद्यापतिक रचना परिधिक संदर्भ मे आन-आन भाषा-भाषीक किछु मंतव्यक जनतब देलनि. ज्ञात हो जे संपर्कक बैसार हरेक मासक दोसर रवि कें होइत अछि. नव-नव साहित्यकार  कें  साहित्यलेखनक दिशामे उचित मार्गदर्शन सेहो एहिठाम भेटैत अछि. अगिला मासक संपर्क १४ अक्टूबर  कें  होयत.
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post