MCCI केर नव कार्यकारिणी गठित

कोलकाता. मिथिला चैम्बर ऑफ़ कॉमर्स  एंड इंडस्ट्रिज केर नव कार्यकारिणी गठित भेल. शनिदिन (4 अगस्त) कें सांझ मे  नवगठित बोर्ड केर शपथ ग्रहण समारोह क्लाइव रो स्थित कार्यालय मे सौहाद्रपूर्ण वातावरण में संपन्न भेल ! एहि अवसर पर चैम्बर केर आगामी कार्ययोजना पर सेहो चर्च कयल गेल. उक्त अवसर पर जाहि में सर्वश्री कामदेव झा जी मुख्या सलाहकार,प्रदीप कुमार झा जी अध्यक्ष ,मोहन चौधरी जी,रतिकांत झा जी आ उमेद लाल कामत जी उपाध्यक्ष,गंगा प्रसाद झा जी सचिव,देवेन्द्र हजारी जी सहसचिव,राजीव रंजन मिश्र,धैर्य नारायण ठाकुर आ संजय झा अन्यान्य सदस्य लोकनि उपस्थित छलाह ! 
ज्ञात हो जे चैम्बर मिथिला केर आर्थिक सम्पन्नता ओ संभावना पर विमर्श हेतु गठित कयल गेल अछि. मिथिलाक औद्योगिक ओ आर्थिक उन्नयन एकर मुख्य उद्देश्य अछि. चैम्बर श्री मिथिला नाओ केर एक मैथिली मासिक पत्रिका  सेहो प्रकाशित करैत आबि रहल अछि, जकर सम्पादन महेन्द्र हजारी करैत छथि. (Source)
Previous Post Next Post