कापडि. बनलाह मैथिली विभागाध्यक्ष

 
जनकपुर. परमेश्वर कापडि.केँ त्रिभूवन विश्व विद्यालय अन्तर्गत मैथिलीक विभागाध्यक्ष नियुक्त कएल गेल अछि. एहि सं पहिने डा. पशुपति नाथ झा विभागाध्यक्ष छलाह. नेपालक मैथिली शिक्षणक इतिहास मे डा. धीरेन्द्रक बाद परमेश्वर कापडि एहन व्यक्तित्व छथि जे मैथिली अभियान केँ सेहो हाँकि रहल छथि। एहन व्यक्तिक त्रिवि मैथिली विभागाध्यक्ष होएबा पर मैथिली भाषा-साहित्य-संस्कृतिक उन्नति चाहनिहार सभ मे स्वाभाविक प्रसन्नताक लहरि पसरल अछि। विभागाध्यक्षक रेस मे डा. श्यामा महतो सेहो छलाह मुदा परमेश्वर कापडि.केँ चयन भेल.
ज्ञात हो जे विगत मैथिली दिवस (30 अप्रील, २०१२) कें जनकपुर मे मिथिला राज्य कें मांग कें ल' धरना पर बैसल मिथिला राज्य संघर्ष समितिक संयोजक  परमेश्वर कापडि छलाह. जाहि मे लोकक भीड़ में बम बिस्फोट भेल. एहि मे कतेको गोट मैथिल शहीद भेल. जाहि मे मैथिली फिल्म अभिनेत्री रंजू झा सेहो दिवंगत भेलीह.   परमेश्वर कापडि स्वयं सेहो गंभीर रूपें घायल भेल छलाह.(Source)
Previous Post Next Post