मिथिलाक पेपरमेसी कलाकार सुभद्रा देवी कें पद्मश्री सम्मान


भारत सरकार 74म गणतंत्र दिवसक पूर्व संध्या पर पद्म पुरस्कार (Padma Awards) केर घोषणा कएलक अछि. देशक विभिन्न भागक महान विभूति लोकनि कें 6 पद्म विभूषण, 9 पद्म भूषण आ 91 पद्मश्री पुरस्कार देल जएबाक घोषणा भेल अछि. मिथिला सं पेपरमेसी कला क्षेत्र मे सुभद्रा देवी कें पद्मश्री सम्मान लेल चुनल गेलनि अछि. मधुबनी जिला अंतर्गत पंडौल प्रखंडक भिट्ठी सलेमपुर गाम निवासी 82 वर्षीय सुभद्रा देवी (Padma Shri Subhadra Devi) पेपरमेसी कला केर प्रसिद्ध कलाकार छथि.
 
सुभद्रा देवी मीडिया संग बातचीत मे जनओलनि जे कश्मीर जकां मिथिला मे सेहो पेपरमेसी शिल्प बहुत पुरान आ पारंपरिक अछि. एतुका लोक अनुपयोगी वस्तु सबसं एहन-एहन कलात्मक वस्तु बनएबा मे निपुण होइत छथि जे अहां कें चकित करत. आधुनिक समय मे एकर स्वरूप बदलल जा रहल छै मुदा एखनो विद्यमान छै.
 
ज्ञात हो जे पेपरमेसी एहन कला अछि जे पेपर कें गला क' ओहि सं साजसज्जा केर सामान बनाओल जाइत अछि. कनिया-पुतरा, हाथी-घोड़ा आदि बना ओकरा सजावटी समान जकां उपयोग कएल जाइत अछि. नेना-भुटका लेल ई खेलौना सेहो भ' सकैत अछि. पेपरमेसी सं बनल कलाकृति कें रंगीन बना आकर्षक रूप देल जाइत अछि.

मिथिला मे माटि, लकड़ी, कागत, कपड़ा आदि वस्तु सं कलाकृति बनेबाक परम्परा रहल अछि. सुभद्रा देवी नेनहि सं एहि कला केर अभ्यास करैत आबि रहल छथि. जानकारी हो जे हिनक नहिरा दरभंगा जिला केर मनीगाछी मे छनि. पेपरमेसी कला क्षेत्र मे सुभद्रा देवी एकटा प्रतिष्ठित नाम छथि आ पद्मश्री भेटने मिथिला सहित राज्य ओ देशक नाम बढ़ओलनि अछि.
 
मिथिला चित्रकला जकां पेपरमेसी कला क्षेत्र मे सेहो नव प्रतिभा सब आकर्षित होइ, से आशा कएल जा सकैत अछि. कहैत चली जे बिहार सं एहि बेर तीन गोटे कें पद्मश्री सम्मान भेटलनि अछि. साहित्य-शिक्षा क्षेत्र मे सुपर थर्टी फेम आनंद कुमार, पेपरमेसी कला क्षेत्र मे सुभद्रा देवी आ कपड़ा कला क्षेत्र मे नालंदा केर कपिल देव प्रसाद कें पद्मश्री देल गेलनि अछि. मिथिमीडिया टीम दिस सं पद्मश्री सुभद्रा देवी सहित आनंद कुमार ओ कपिल देव प्रसाद कें बधाइ ओ अशेष शुभकामना!
Previous Post Next Post