दिल्ली नगर निगम : खगड़िया जिलाक चंदन चौधरी मैथिली भाषा मे लेलनि शपथ


दिल्ली नगर निगम चुनाव मे विजयी प्रत्याशी लोकनि पार्षद रूप मे शपथ लेलनि. शपथ ग्रहण समारोह मे भारतीय भाषाक विविधता देखल गेल. एमसीडी केर पार्षद हिंदी, अंग्रेजी, उर्दू, पंजाबी, संस्कृत आदि भाषा मे शपथ लेबे केलनि, एकटा प्रत्याशी मैथिली भाषा मे शपथ ल' सबकें अचंभित क' देलनि.

मिथिलाक खगड़िया जिला निवासी चंदन चौधरी दिल्ली केर वार्ड 163 संगम विहार सं जीतल छथि. भारतीय जनता पार्टी नेता चंदन चौधरी मूल रूप सं चकप्रयाग गाम केर निवासी छथि. दिल्ली प्रवास मे रहैत समाजसेवा करैत पार्षद पद कें सुशोभित केलनि अछि. मैथिली मे शपथ ल' मिथिला सहित सम्पूर्ण मैथिलीभाषी लोकनि कें चंदन बाबू गौरवान्वित केलनि अछि.

चंदन चौधरी मैथिली भाषा मे शपथ लेइत कहलनि, "हम (चंदन चौधरी) जे दिल्ली नगर निगम मे पार्षद निर्वाचित भेलहुँ अछि / धारा 3 केर उपधारा (3) केर खण्ड (ख) केर उपखण्ड (i) कें अंतर्गत दिल्ली नगर निगम मे प्रतिनिधिक रूप मे मनोनीत भेलहुँ अछि, भगवानक सप्पत लैत छी आ सत्य निष्ठा सँ प्रतिज्ञा करैत छी, जे हम विधि द्वारा स्थापित भारतक संविधानक प्रति सच्चाइ कें संग श्रद्धा आ निष्ठा राखब आ जाहि पद कें हम ग्रहण करैबला छी, ओकर सभ कर्तव्यक निष्ठा पूर्वक निर्वहन सेहो करब."

ज्ञात हो जे चंदन चौधरी जनसेवा बल पर विजयी भेलाह अछि. कोरोना संकट मे ओ आम लोकक सेवा मे जुटल रहलाह, जनता हुनका तैं मोन सं आशीर्वाद देलकनि अछि. चंदन बाबू केर गाम चकप्रयाग परबत्ता प्रखण्ड केर लगार पंचायत मे पड़ैत अछि. मिथिमीडिया दिस सं हिनका बधाइ आ उज्ज्वल भविष्यक कामना!
Previous Post Next Post