माखला-उत्तरपाड़ा मैथिल एकता मंच (मैथिल समाज) द्वारा मधुप जयन्ती ओ कोजगरा मिलन समारोह सफलतापूर्वक सम्पन्न भेल. बीतल रविदिन 9 अक्टूबर कें स्थानीय मैथिल प्रवासी लोकनिक नीक उपस्थिति मे मिलन समारोह केर आयोजन भेल. कवि चूड़ामणि काशीकान्त मिश्र मधुप केर जयन्ती ओ मिथिलाक विशिष्ट सांस्कृतिक परम्परा कोजगरा मिलन समारोह सामाजिक सौहार्द आ मिथिला संस्कृति प्रति चेतनाक प्रसार हेतु मनाओल गेल. प्रवास मे रहैत अपन पहिचान कें अक्षुण्ण रखैत आगामी पीढ़ी धरि सांस्कृतिक चेतना कें प्रसारित करब आवश्यक होइ छै. एहि काज मे संस्था आ कियाकलाप केर महत्वपूर्ण भूमिका महत्वपूर्ण मानल जाइत रहल अछि.
एहि अवसर पर संस्थाक सभापति श्री जीव लाल झा, मुख्य अतिथि श्री लक्ष्मण झा सागर, सम्मानित अतिथि श्री इन्द्रजीत घोष (पार्षद), श्रीमती मानसी सिंह (पार्षद), श्री कामख्या सिंह (पार्षद), डाॅ. शंकर नाथ झा, श्री विनय भूषण ठाकुर, श्री शम्भू नाथ झा, श्री विजय इस्सर सहित अनेक गणमान्य जन अपन वक्तव्य रखलनि. कार्यक्रम केर संचालन रंगकर्मी ओ कवि श्री रंजीत झा केलनि. एहि अवसर पर कविता पाठ व सांस्कृतिक कार्यक्रम प्रस्तुत कएल गेल ओतहि मिथिला समाजक वरिष्ठ नागरिक लोकनि कें सम्मान तथा छात्र लोकनि कें प्रोत्साहन सम्मान सेहो प्रदान कएल गेल.
संस्थाक पदाधिकारी सर्वश्री कृष्ण बल्लभ झा (उपसभापति), गुलाब चौधरी (अध्यक्ष), निरंजन झा (उपाध्यक्ष), राजीव झा (सचिव), संजय नारायण चौधरी (सह-सचिव), अनिल झा (प्रवक्ता), धर्मेन्द्र झा (उप-प्रवक्ता), दीपक चौधरी (संयोजक), विजय झा (कोर कमिटी सदस्य), परशुराम मंडल (लेखा पदाधिकारी), रामचंद्र चौधरी (संरक्षक), भोगेन्द्र झा (संरक्षक), नित्यानंद झा (प्रधान लेखाकार), राजीव कुमार झा (सह संयोजक) आ कार्यकारिणी सदस्य सर्वश्री नवीन पाठक, बिपिन झा, रमण मिश्र, प्रमोद मिश्र, आलोक झा, अशोक झा, अर्जुन चौधरी, संजीत झा, हेमंत झा, मिथिलेश झा, मनोज ठाकुर, हरिश्चन्द्र झा आदि लोकनि अपन जिम्मेदारी उत्सुकता पूर्वक निर्वाह कएलनि.
स्थानीय मैथिल समाज उत्साहक संग कार्यक्रम मे अपन सहभागिता देलनि. मैथिल एकता मंच कार्यक्रमक सफलता हेतु समाजक संग अतिथिजन कें धन्यवाद आ आभार व्यक्त कएलक अछि.
स्रोत : विज्ञप्ति
Tags:
हालचाल