ई छथि संसारक सबसं बेसी कमौआ एक्टर - World Highest Paid Actor

फ़िल्म इंडस्ट्री एकटा विशाल क्षेत्र अछि. एहि माध्यम सं करोड़ो टाका केर बिजनेस होइछ. संसार भरि मे लाखो लोक रोजी-रोटी लेल एहि सं जुड़ल छथि. समाद माध्यम सं पता चलैत रहैत अछि जे फलां फिल्म एतेक करोड़ कमाइ केलक त' फलां एक्टर एतेक करोड़ मात्र फीसे मे ल' लेइत छथि. बॉलीवुड सं ल' हॉलीवुड धरिक फिल्म सब मे बेसी सं बेसी कारोबार (World Highest Paid Actor) लेल होड़ मचल रहैत अछि.

बॉलीवुड केर बात करी त' अक्षय कुमार, शाहरुख खान, सलमान खान, आमिर खान आदि अभिनेता चिक्कन कमाइ करैत छथि. मुदा भरि संसारक सिनेमा उद्योग मे सबसं बेसी कमौआ एक्टर के' छथि? एहि विषयक जानकारी हम एतय द' रहल छी. साल 2020 लेल जे आंकड़ा जारी कएल गेल अछि ओहि अनुसार बॉलीवुड एक्टर शीर्ष पर नै छथि.
संसारक सबसं बेसी कमौआ एक्टर (World Highest Paid Actor) हॉलीवुड केर ड्वेन जॉनसन छथि. पहिने ओ WWE मे रॉक नाम सं धमाल मचओने छलाह. हालहि मे हिनक फ़िल्म जुमांजी- द नेक्स्ट लेवल रिलीज़ भेल छल. फोर्ब्स पत्रिका दिस सं साल 2020 केर सबसं कमौआ एक्टर्स केर सूची जारी कएल गेल अछि. एक साल मे 87.5 मिलियन डॉलर (लगभग 650 करोड़ टाका) कमाइ संग ड्वेन जॉनसन नंबर वन पर काबिज़ छथि. एहि लिस्ट मे ड्वेन दू साल सं लगातार शीर्ष पर छथि.

भारतीय एक्टर लोकनिक बात करी त' एहि लिस्ट मे मात्र अक्षय कुमार कें शामिल कएल गेल अछि. अक्षय केर इनकम लगभग 300 करोड़ टाका छनि. ई लिस्ट मे छठम स्थान पर छथि. अक्षय फिल्म आ विज्ञापन आदि सं भेल कमाइ सं एहि लिस्ट मे स्थान बना सकलाह अछि.

फॉर्ब्स द्वारा जारी संसारक सबसं बेसी कमौआ एक्टर केर लिस्ट

1. द रॉक – $87.5m (£66.8m) 2. रायन रेनॉल्ड्स – $71.5m (£54.5m) 3. मार्क वाह्ल्बर्ग – $58m (£44.2m) 4. बेन एफ्लेक – $55m (£41.9m) 5. विन डीजल – $54m (£41.2m) 6. अक्षय कुमार – $48.5m (£37m) 7. लिन-मैनुअल – $45.5m (£34.7m) 8. विल स्मिथ – $44.5m (£33.9m) 9. एडम सैंडलर – $31m (£23.8m) 10. जैकी चैन – $30m (£23m)

Dwayne The Rock Johnson Became Highest Paid Actor Of World, Akshay Kumar In Top 10 Highest Paid Actor List.

(मिथिमीडिया एंड्रॉएड ऐप हेतु एतय क्लिक करी. फेसबुकट्विटर आ यूट्यूब पर सेहो फ़ॉलो क' सकै छी.)

Previous Post Next Post