मिथिमीडिया - नवम वर्ष, नव उत्कर्ष


मिथिमीडिया आइ अपन स्थापनाक नवम वर्ष मे प्रवेश केलक अछि. अंगरेजी साल 2012 मे पनरह अगस्त कें एक अभियान जकां शुरू भेल छल मिथिमीडिया. ई बेस संतोषप्रद अछि जे हमरा लोकनि एहि माध्यम कें एतेक साल ने मात्र जिया लेने छी, अपितु आगू सेहो बढ़ा रहल छी. संघर्षे करैत हमरा लोकनि एतेक साल धरि निरंतरता बनओने रखलहुं अछि आ ई अत्यंत आह्लादक विषय अछि. आरंभहि सं मिथिमीडिया कें पाठकक प्रेम भेटैत रहल अछि. देश-विदेश मे पसरल मैथिल बेर-बेर मिथिमीडिया पर आबि हालचाल सहित मैथिली साहित्य केर आस्वादन करैत रहैत छथि. मिथिमीडिया वेब पर अपन डोमेन मध्य एहन महत्वपूर्ण जगह अछि, जतय भाषा-साहित्य सं ल' आन-आन विषयक स्तरीय कंटेंट मैथिली भाषा मे उपलब्ध अछि. एहि किछु साल मे हमरा लोकनिक सोझां अनेक एहन अवसर आएल अछि, जाहि सं उत्साह बढैत गेल अछि. ऑनलाइन सुविधा जेना-जेना बढ़ल जा रहल अछि, मिथिलाक सामान्य पाठक, विद्यार्थी, शोधार्थी आदि अनेक लोक एहि पोर्टलक उपयोगी कंटेंट सं थोड़-बहुत लाभान्वित सेहो भ' रहल छथि. समाजोत्थान मे एकरत्ती 'लुक्खी योग' त' अबस्से देल अछि, जेना किछु प्रतिक्रिया सब हमरा लोकनि धरि पहुंचैत रहैत अछि. मिथिमीडिया कतेको कार्यक्रम, अभियान आदि मे सेहो सामर्थ्य अनुरूप संग देइत रहल अछि. भाषा-साहित्य आ मीडियाक विकास हेतु हमरा लोकनि लगातार कतेको प्रोजेक्ट सबहक संग मिलि काज क' रहल छी. संगहि अनेक एहन बात सब अछि जे हमरा लोकनि कें उत्साहित करैत रहैत अछि. एहि नवम सालक यात्राक्रम मे बहुत सहयोगी लोकनि संग अएलाह, जे जतेक डेग संग छलाह, जे संग छथि, हुनका सब कें धन्यवाद कहैत ई प्रयास नव करोट ल' रहल अछि. सीमित संसाधन आ अनुभव संग डेगा-डेगी बढ़ल जा रहल अछि! पाठक ओ अपन सभ सहयोगी लोकनिक प्रति आभार प्रकट करैत नूतन बरख आ नूतन चुनौती सहित आओर बेसी कार्य अवसर ल' आबए ताहि शुभकामना संग बधाइ. जय मैथिली! — रूपेश त्योंथ (फाउंडर एडिटर, मिथिमीडिया)

- - -
इहो पढू:



(मिथिमीडिया एंड्रॉएड ऐप हेतु एतय क्लिक करी. फेसबुकट्विटर आ यूट्यूब पर सेहो फ़ॉलो क' सकै छी.)
Previous Post Next Post