'मुक्ति अभिशाप से' 5 मइ कें होएत रिलीज़

सामाजिक कुरीति पर प्रहार करैत फिल्म 'मुक्ति अभिशाप से' रिलीज कएल जा रहल अछि. एन. मंडल निर्देशित ई फिल्म तखन चर्चा मे बनल छल जखन एकर प्रदर्शन इंडोगमा फ़िल्म फेस्टिवल दिल्ली मे भेल छल. फिल्म शौचालय सन सामाजिक विषय पर बनाओल गेल अछि. 

कथानक अनपढ़, भिखारी आ शराबी नायक बुधन कें इर्द-गिर्द बुनल गेल अछि. अपन पत्नी कें बीमार भेलाक बाद शौचालय बनेबाक लेल ओ भीख धरि मंगैत अछि. पटकथा ओ संवाद 'अशोक अश्क' द्वारा लिखल गेल अछि.

जानकारी हो जे फिल्म 5 मइ कें सांझ 5 बजे शिवाय केर ऑफिसियल यूट्यूब चैनल पर प्रदर्शित होएत. शिवाय प्रोडक्शन केर बैनर सं निर्मित ई फिल्म देखबा लेल चैनल सब्सक्राइब करी आ नोटिफिकेशन बेल सेहो दबा दी.

फ़िल्मक ऑफिसियल ट्रेलर एतय देखू -



Previous Post Next Post