रिषड़ा मे 'लौंगिया मिरचाइ' केर मंचन ओ विचार गोष्ठी

कलकत्ता उपनगर क्षेत्र रिषड़ा मे बीतल 36 साल सं लगातार मैथिली नाट्य मंचन होइत आबि रहल अछि. विद्यापति स्मृति पर्व समारोहक अंतर्गत 23 दिसंबर कें सांझ मे जयश्री टेक्सटाइल केर लक्ष्मी नारायण मंदिर प्रांगण मे मैथिली नाटक 'लौंगिया मिरचाइ' केर मंचन संपन्न भेल. एहि अवसर पर मैथिली साहित्यिक लोकनि सहित महानगरक संस्कृति प्रेमी लोकनिक उपस्थित रहलाह. 

नाट्य मंचन सं पहिने बेरिया 3 बजे सं मैथिली रंगमंच पर विचार गोष्ठी आयोजित भेल. गोष्ठीक अध्यक्षता रामलोचन ठाकुर व संयोजन-संचालन गंगा झा केलनि. एहि अवसर पर मुख्य अतिथि कुसुम ठाकुर सहित भाषाविद भास्कर झा, नबोनारायण मिश्र, बिनय भूषण, भवनाथ झा, दयाशंकर मिश्र, रंजीत कुमार झा, बद्रीनाथ झा, कामेश्वर कमल ओ रूपेश त्योंथ अपन विचार रखलनि. कलकत्ता रंगमंच केर अवसर-चुनौती सहित कतिपय बिंदु सब पर विमर्श गोष्ठी कें सार्थकता प्रदान केलक. एहि अवसर पर विभिन्न क्षेत्र मे एक्टिव लोक सब अपन-अपन दृष्टि सं मंतव्य देलनि.

गोष्ठीक उपरांत नाट्य मंचन सं पहिने समारोहक उद्घाटन कएल गेल जाहि मे जयश्री टेक्सटाइल केर पदाधिकारी लोकनि सहित पूर्व रंगकर्मी व उद्योगपति जीबेन्द्र मिश्र सेहो उपस्थित छलाह. एहि सत्रक संचालन रंगकर्मी भवनाथ झा केलनि. मंगलाचरण ओ सांस्कृतिक कार्यक्रमक बाद रंजीत कुमार झा केर निर्देशन मे लेखक लल्लन प्रसाद ठाकुर लिखित नाटक 'लौंगिया मिरचाइ' केर मंचन कएल गेल.

नाटक मे वरिष्ठ रंगकर्मी भवनाथ झा सहित स्थानीय युवा कलाकार रंजीत, दीपक, रंजन, प्रदीप, पिट्टू, संतोष अपन अभिनय प्रतिभा सं दर्शक कें बन्हने रहबा मे सफल रहलाह त' ओतहि स्त्री पाट मे माला मुखर्जी सहित कुमारी वंदना आ कुमारी नीतू सभक धियान आकर्षित केलनि. नाटक मे पार्श्व संगीत अमित कुमार, गीत रंजीत कुमार ओ गायन प्रकाश-रौशन केर रहल.

कहैत विदा ली जे एतेक साल सं मिथिला कल्याण परिषद् केर एहि नाट्य समारोह कें जयश्री टेक्सटाइल प्रायोजित करैत आबि रहल अछि. मैथिली रंगमंच के' कहए. कोनो मिथिला-मैथिली आयोजन लेल ई गौरवक बात अछि. 

#MithiEvents

Previous Post Next Post