एन. मंडल निर्देशित लघु फिल्म पहुंचल इंडोगमा फ़िल्म फेस्टिवल

मैथिली फिल्म लेल बीतल किछु साल सं लगातार प्रयासरत निर्देशक एन. मंडल केर लघु फिल्म 'मुक्ति अभिशाप से' दिल्ली केर इंडोगमा फ़िल्म फेस्टिवल मे चयनित भेल अछि. एहि फ़िल्मक ऑनलाइन स्क्रीनिंग 17 दिसंबर कें देखल सकैत अछि. ई फिल्म समस्तीपुर में बनल अछि आ एकर कलाकार सब सेहो स्थानीय छथि.

सामाजिक विषय पर आधारित लघु फिल्म मे जयकृष्ण दत्त, पूजा कुमारी आ रामाश्रय दास मुख्य भूमिका में छथि. निर्देशक एन. मंडल कें आत्मविश्वासक परिचायक अछि जे बिना कोनो फेमस कलाकार कें लेने एकटा नीक फिल्म बनेलनि अछि से बेस चर्चित भेल अछि. कहल जा रहल अछि जे ई एक सशक्त फिल्म अछि जकरा बेसी सं बेसी लोक धरि पहुंचबाक चाही.

source: maithili cinema and maithili films

उक्त फिल्मक लेखक अशोक 'अश्क़' छथि आ एकर निर्माण शिवाय प्रोडक्शन द्वारा कएल गेल अछि. जानकारी हो कि एन. मंडल कतेको टीवी धारावाहिक लेल काज क' चुकल छथि त' ओतहि मैथिली फिल्म 'राखी के लाज' सं चर्चा बटोरबा मे सफल रहल छलाह. हालांकि ई फिल्म एखन धरि रिलीज़क बाट ताकि रहल अछि.

लघु फिल्म 'मुक्ति अभिशाप से' केर लाइव स्क्रीनिंग 17 दिसम्बर 2018 कें सांझ 6 बजे एतय देखल जा सकैत अछि -

#MithiEvents

Previous Post Next Post