कोकिल मंच: 29 कें देखू मैथिली नाटक ‘बेलक मारल’

कलकत्ता मैथिली रंगमंचक पहिचान ‘कोकिल मंच’ अपन 28म वार्षिकोत्सव मना रहल अछि. एहि अवसर पर नाटकक मंचन सहित रंगारंग कार्यक्रम राखल गेल अछि. कोकिल मंचक कलाकार अपन 36म प्रस्तुति देबाक हेतु आइ-काल्हि अभ्यास क’ रहल छथि.

एही मासक 29 तारीख कें रविदिन सुधांशु शेखर चौधरी लिखल मैथिली नाटक ‘बेलक मारल’ केर मंचन कएल जाएत. गंगा झा केर निर्देशन मे कलाकुंज (कलामंदिर) प्रेक्षागृह मे कलाकार लोकनि नाट्य प्रस्तुति देताह. संगहि किरण झा केर संचालन मे रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रम सेहो रहत.

वरिष्ठ रंगकर्मी नबोनारायण मिश्र मिथिमीडिया कें जनओलनि जे एहि अवसर पर कोकिल मंचक स्मारिका सेहो विमोचित होएत जाहि मे नाट्यविधा सहित साहित्य आदिक सामग्री प्रकाशित भ’ रहल अछि. कोकिल मंच साले-साल आयोजनक संगे स्मारिका बहार करैत अछि.

जनतब दी जे कोकिल मंच मैथिली नाटक कें समर्पित संस्था अछि जे साल मे कम सं कम एकटा नाटकक मंचन करैत आबि रहल अछि. एहि मंचक कलाकार लोकनि मैथिली सहित कतेको भाषाक टीवी सीरियल वा सिनेमा मे अभिनय क’ रहल छथि. 

29 कें महानगर मे छी त’ रविदिन छै आ सांझ 5.30 बजे सं आयोजित ई नाटक एकदम्मे मिस करएबला नै अछि. बेसी सं बेसी संख्या मे आबि क’ नाटक सहित सम्पूर्ण कार्यक्रमक सपरिवार आनंद ली. 

जनतब दी जे कार्यक्रम मे प्रवेश निर्बाध छै.   


Previous Post Next Post