कीर्तिनारायण मिश्र कें एहि सालक प्रबोध साहित्य सम्मान!

साल 2018क प्रबोध साहित्य सम्मान वरिष्ठ कवि-कथाकार कीर्तिनारायण मिश्र कें देल जएबाक घोषणा भेल अछि. कीर्ति बाबू कें पुरस्कार मैथिली भाषा-साहित्य मे हुनक योगदान कें देखैत देल जएबाक निर्णय भेल अछि. मिश्रक चयन भाषाविद ओ मैथिली साहित्यकार डॉ. उदयनारायण सिंह नचिकेताक अध्यक्षता मे पंच सदस्यक निर्णायक मंडली द्वारा कयल गेल अछि.



मैथि‍ली भाषाक अग्रणी साहित्‍यकार स्‍व. प्रबोध नारायण सिंहक स्‍मृति मे स्‍वस्‍त‍ि फाउंडेशन दिस सं हरेक साल ई पुरस्‍कार देल जाइत अछि. पुरस्कारक घोषणा आने साल जकां 1 जनवरी कें कएल गेल अछि. बता दी जे ई पुरस्कार लगातार साल 2004 सं देल जा रहल अछि, जाहि मे मिश्र कें प्रतीक चिन्ह आ प्रशस्ति पत्र सहित एक लाख टाकाक नकद राशि देल जाएत.

ज्ञात हो जे कीर्तिनारायण मिश्र मैथिली भाषाक विख्यात साहित्यकार छथि. हिनका कविता-संग्रह 'ध्वस्त होइत शांति स्तूप' लेल साल 1997 मे साहित्य अकादमी पुरस्कार सं सेहो सम्मानित कएल जा चुकल छनि. बेगूसराय जिलाक शोकहरा (बरौनी)क कीर्ति बाबू आखर पत्रिकाक सम्पादक सेहो रहि चुकल छथि.


Previous Post Next Post