'मिस कॉल' द' मैथिली मे सुनू प्रधानमंत्रीक 'मन की बात'

प्रधानमंत्रीक 'मन की बात' कार्यक्रम बीतल रवि कें प्रसारित भेल. ई साल 2018क पहिल 'मन की बात' कार्यक्रम छल जे गणतंत्र दिवसक उपरान्त 28 जनवरी कें देश भरिक आकाशवाणी केंद्र सं विभिन्न भाषा मे प्रसारित कएल गेल. पीएम मोदी पद्म पुरस्कार, स्वच्छ भारत अभियान, प्रधानमंत्री जनऔषधि तथा विभिन्न क्षेत्र मे महिला लोकनिक बढैत डेगक चर्चा केलनि.

पीएम कहलनि जे सभ क्षेत्र मे नारी-शक्ति समाजक रूढ़िवादिता कें पार क' असाधारण उपलब्धि हासिल केलनि आ एक कीर्तिमान गढ़लनि. ओ कहलनि तीन बहादुर महिला भावना कंठ, मोहना सिंह आ अवनी चतुर्वेदी फाइटर पायलट बनलीह अछि आ सुखोइ विमान उड़एबाक प्रशिक्षण ल' रहल छथि.

जओ अपने कें हुनका पूरा वक्तव्य अप्पन भाषा मे सुनबाक हो त' 'मिस कॉल' द' मैथिली मे सुनि सकैत छी. 1922 पर मिस कॉल केने अहां कें ऑटोमेटिक कॉल आएत, तकरा सही सं सुनबै त' मैथिली भाषा लेल प्रायः 25 दबेबाक ऑप्शन देल जाएत. 25 दबेने प्रधानमंत्रीजीक 'मन की बात' मैथिली मे फोने पर सुनि सकब.

आकाशवाणी केंद्र सेहो मैथिली भाषा मे प्रसारण करैत अछि. जओ आकाशवाणी प्रसारण कोनो कारणे नै सुनि पाबि रहल छी त' मोबाइल मे NM App डाउनलोड करू आ 'मन की बात' टैब पर जा भाषा विकल्प मे मैथिली चुनि क' प्रधानमंत्रीक 'मन की बात' मैथिली मे सुनि सकैत छी.

ओना एतय पीएम मोदी जीक आवाज मे 'मन की बात' देल अछि.



Previous Post Next Post