अखिल भारतीय मिथिला पार्टीक बंगाल इकाई गठन 17 कें

मिथिलाक बात, विचार आ आन्दोलन कें आगू बढ़बैत अखिल भारतीय मिथिला पार्टी कोलकाता मे राज्य इकाई केर गठन क' रहल अछि. आगामी रवि (17 दिसंबर) कें बेरिया 4 बजे सं भारत सभागार मे एक आमा सभा आयोजित अछि, जाहि मे इकाई गठन होएत आ नेतागण अपन उद्गार व्यक्त करताह.

एहि आयोजन मे राज्यक मैथिल बुद्धिजीवी, समाजसेवी ओ एक्टिविस्ट लोकनि भाग लेताह. कहि दी जे पश्चिम बंगाल इकाई केर प्रभार मिथिला एक्टिविस्ट उमाकांत झा बक्शी कें देल गेल अछि. रविदिन पार्टीक राज्य इकाई केर औपचारिक घोषणा भ' जाएत.

इकाई गठन सभा मे आंदोलनी कमलेश झा, किशोरीकांत मिश्र, समाजसेवी कामदेव झा, संपादक राजनन्दन लाल दास भाग लेताह त' जीबेन्द्र मिश्र, दिलीप झा, मालती झा, प्रेमनारायण झा, भवनाथ मिश्र आदि लोकनिक एक्टिव भूमिका रहतनि. आयोजन मे पार्टीक राष्ट्रीय महासचिव संजय मिश्र सेहो उपस्थित रहताह. ओतहि राज्य प्रभारी उमाकांत झा बक्शी द्वारा एहि आम सभा मे मैथिल कार्यकर्ता लोकनि कें फुजल आमंत्रण देलनि अछि.

आमसभा मे मिथिला-मैथिल-मैथिली मे इंटरेस्ट रखनिहार लोक आबि भाग लेथि आ अपन बहुमूल्य सुझाओ सं पार्टी कें आगूक दिशा तय करबा मे योगदान करथि, एहि तरहक आह्वान कएल गेल अछि.

ज्ञात हो जे महानगर कोलकाता ओ उपनगरीय क्षेत्र मे लगभग 15 लाख मैथिल जनसंख्या निवास करैत अछि आ पूरा राज्य मिला ई अओर बहुत बेसी भ' सकैत अछि. जें कि कलकत्ता मिथिला आंदोलनक जनक रहल अछि, ई आमसभा बेस महत्वपूर्ण भ' सकैत अछि.


Previous Post Next Post