ट्विटर बढ़ओलक अक्षर सीमा, आब 280 अक्षर मे लिखू ट्वीट!


बड्ड मोश्किल होइ छलै लोक कें ट्वीट करबा मे. मात्र 140 अक्षर मे अपन बात पूरा क' लेब भारतीय भाषा सभक यूजर लेल दिक्कत ठाढ़ करैत छल. मुदा आब ट्वीटर पर अक्षर लिमिट बढ़ा क' 280 क' देल गेल अछि.

जनतब हो जे सितंबर सं ट्विटर किछु यूजर्स संग एहि फीचरक टेस्टिंग क' रहल छल. आब एकरा आम यूजर्स लेल सेहो लॉन्च क' देल गेल अछि. 

ट्विटर अपन ब्लॉग पोस्ट मे कहने अछि,
"हमरा लोकनि सितंबर मे 140 कैरेक्टरबला लिमिट बढेबाक प्लानिंग कएल, जाहि सं दुनियाक तमाम यूजर्स ट्वीट माध्यम सं अपन पूरा बात राखि सकथि. लगभग 45 दिनक फीचर टेस्टिंग केलाक बाद हमरा सभ कें खुशी अछि जे आब ई आम यूजर्स लेल लॉन्च क' देल गेल अछि. अब अहां 280 कैरेक्टर मे ट्वीट क' सकैत छी"

ट्विटर कैरेक्टर लिमिट बढ़ेबाक संगहि किछु आओर परिवर्तन केलक अछि. मल्टीपार्ट ट्वीट आ टेक्स्ट ब्लॉकक स्क्रीनशॉट सनक ट्वीट्स शामिल कएल गेल अछि. पहिने ट्वीट करबा काल कैरेक्टर काउंट होइत छलै, आब टेक्स्टक नीचां एक सर्किल अबैत छै आ जखन अहांक 280 कैरक्टर पूरा भ' जाइए त' सर्किल डार्क भ' जाइछ. लैपटॉप वा कम्प्यूटरे पर नै, मोबाइलो पर यूजर्स 280 कैरेक्टर मे ट्वीट क' सकैत छथि.


ई रहल ट्वीटर दिस सं आधिकारिक घोषणा -

भारतीय भाषा सभक यूजर फेसबुक प्रेफर करैत छथि आब देखबाक चाही जे लोक ट्वीटर पर समय बिताबैत छथि वा नहि. एकटा आओर बात, चीनी, जापानी आ कोरियाई भाषाक लोक लेल अक्षरसीमा एखनो 140 रहत, कारण एहि भाषा सभ में लिखबा लेल बहुत कम अक्षर लगैत छै.
Previous Post Next Post