चेतना समारोह मे मैथिली-मिथिलाकर्मीक भेल जुटानी


स्वाधीनता दिवसक अवसर पर महानगर कलकत्ताक उपनगरीय क्षेत्र रिषड़ा मे 'चेतना समारोह' आयोजित कएल गेल. मिथिला नव-चेतना समिति द्वारा नओम स्थापना दिवसक अवसर पर आयोजित एहि समारोह में संस्थाक सदस्य लोकनिक अतिरिक्त लेखक-कवि लोकनि ओ मिथिलाक कार्यकर्ता लोकनि नीक संख्या मे उपस्थित छलाह.


कार्यक्रमक आयोजन रिषड़ा रेलवे स्टेशन सं सटल 'रूपसी बांग्ला' सभागार मे भेल. एहि अवसर पर वार्षिक स्मारिका मिथिला नव-चेतना विमोचित भेल. संस्था दिस सं नव कार्यकारिणीक औपचारिक घोषणा कएल गेल. ज्ञात हो जे साल दिन पर एहि संस्थाक कार्यकारिणी अवश्यमेव बदलल जाइत रहल अछि.


कार्यक्रम मे साहित्यिक रामलोचन ठाकुर, नवीन चौधरी, लक्ष्मण झा सागर सहित वरिष्ठ मिथिला अभियानी कमलेश झा ओ रत्नेश्वर झा अपन उदगार व्यक्त केलनि. ओ लोकनि भाषा-साहित्य ओ क्षेत्रक जनचेतना सं जुड़ल पक्ष पर इजोत देलनि. 


मिथिमीडिया संपादक रूपेश त्योंथ वेब सेवाक 5 साल पूर्ण होएबा पर उपस्थित मैथिल लोकनि सं एहि माध्यमक संग जुड़बाक ओ सहयोग-समर्थनक आह्वान केलनि. ओ कहलनि जे आब युग स्मार्ट भेल गेल छै आ ऑनलाइन माध्यम बेस प्रभावी भेलैक अछि. पारंपरिक मीडिया संग ऑनलाइन मीडियाक इस्तेमाल समयक मांग छै.


उक्त सत्रक संचालन रंजीत कुमार झा 'पप्पू' केलनि. वक्ता कें आमंत्रित करबाक अपन अलग अंदाज सं ओ उपस्थित मैथिल लोकनि कें मंच सं जोड़ने रहलाह.


अंतिम सत्र मे कवि सम्मलेन आयोजित छल, जाकर सञ्चालन गंगा झा ओ अध्यक्षता लक्ष्मण झा सागर केलनि. कवि सम्मलेन मे उमाकान्त झा बक्शी, नबोनारायण मिश्र, गंगा झा, बिनय भूषण, मिथिलेश कुमार झा, आमोद कुमार झा, रंजीत कुमार झा 'पप्पू', विजय इस्सर, लक्ष्मण झा सागर ओ रूपेश त्योंथ कविता पाठ केलनि. 

बता दी जे मिथिमीडिया एहि कार्यक्रमक ऑनलाइन मीडिया पार्टनर छल.

#MithiEvents
Previous Post Next Post