Showing posts from 2016

मैथिली व्यंग्यक एक उपलब्धि ‘खुरचनभाइक कछमच्छी’

तीत वस्तु कें मधुर चासनी मे बोरि प्रस्तुत करबाक विधि भेल व्यंग्य. जेना नेना कें आदक रस पियेबाक हेतु ओहि मे मधु मिलाओल जाइछ तहिना राज-समाजक कटु सत्य कें, ताहि मे सुधारक अपेक्षा सं, रुचिगर रूपें कहबाक विधा थिक व्यंग्य. ई गद्य किंवा पद्य कोनो तरहें भ…

मैथिली साहित्य उत्सव : एहि पार, ओहि पार

जाड़ खसल अछि. उत्सवक दौर शुरू भ' रहल अछि. मैथिली भाषा-साहित्य कें केंद्र क' विद्यापति पर्व समारोह होइत रहल अछि आ से व्यापक स्तर पर. गाम-गाम सं शहर-शहर धरिक विद्यापति समारोह खूब चर्चा मे रहैए. एम्हर आबि क' लिटरेचर फेस्टिवल से ट्रें…

डॉ. लक्ष्मण झा केर जन्मशताब्दी पर संगोष्ठी

नव दिल्ली:   आइ मिथिला राज्य आंदोलनक आधारस्तंभ डॉ. लक्ष्मण झा केर जन्मशताब्दी दिवस पर 5 सितंबर कें मिथिला चौक, कनॉट प्लेस, नई दिल्ली मे एकटा संगोष्ठीक आयोजन कएल गेल। संगोष्ठीक विषय छल ‘‘लखनजी : व्यक्तित्व ओ कृतित्व।’’ कार्यक्रमक अध्यक्षता अखिल भ…

मैथिली फिल्म 'राखी के लाज' केर ट्रेलर रिलीज

मैथिली फिल्म दर्शक लेल खुशखबरी अछि. नरेश मंडल केर  मैथिली फिल्म 'राखी के लाज'  शीघ्र रिलीज भ' रहल अछि. पारिवारिक विषय-वस्तु पर बनल एहि फिल्म केर ट्रेलर रिलीज भ' गेल अछि.  प्रोड्यूशर सुरेश मंडल केर ई फिल्म आनंद फिल्म प्रोडक्शन …

युवा लेखक महोत्सव: अगरतला सं आबि क' (4)

एम्हर हमरा लोकनि होटल विदा भेलहुँ, ओम्हर मेघ सेहो घरमुँहा भेल. बरखाक आशंका निर्मूल साबित भेल. फ्लैग सेरेमनी छोड़ि कऽ अयबाक हमरा लोकनिक पश्चातापक आगिसँ प्रायः टेम्पूक ड्राइवरक हृदय पघिल गेलैक. ओ बिनु पुछनहि-आछने अपन गाड़ी अगरतलाक हेरिटेज पार्कक म…

प्रेममोहन कें बाल साहित्य ओ दीपनारायण कें युवा पुरस्कार

नवदिल्ली: एहि बरख मैथिली मे साहित्य अकादेमी दिस सं बाल साहित्य पुरस्कार लेल प्रेममोहन मिश्र केर 'भारत भाग्य विधाता' जीवनी लेल चयन कएल गेल अछि. चयन समिति मे डा. अमरनाथ झा, प्रो. भुवनेश्वर प्रसाद गुरुमैता एवं डा. महेंद्र नारायण राम छलाह. …

वीरेन्द्र मल्लिकक सम्मान मे जुटलाह मैथिलीसेवी

कलकत्ता: वरिष्ठ कवि वीरेन्द्र मल्लिकक सम्मान मे एक कार्यक्रम अायोजित भेल. पछिला रविदिन माने बारह जूनकेँ कलकतिया मैथिल साहित्यकार आ साहित्यप्रेमी पैघ संख्या मे वरिष्ठ कवि वीरेन्द्र मल्लिकक संतोषपुर स्थित निवासस्थान पर जुटलाह. लगभग छह दशक सं क…

युवा लेखक महोत्सव: अगरतला सं आबि क' (3)

हमरा बड़ मोन छल जे उनाकोटि देखि आबी मुदा, ताहि लेल समय हाथ मे नहि छल. स्थानीय लोक सब कहलनि जे उनाकोटि जयबाक लेल पूरा एकदिन समय हाथ मे रहबाक चाही. अगरतला सँ अबैत-जाइत छओ सँ आठ घण्टाक यात्रा. अपनहुँ बूझल छल जे ओतय चारिये बजे साँझ पड़ि जाइत छैक, क…

मैथिली लिटरेचर फेस्टीवल पर कलबल!

एमकी पटना हमरा नीक लागल. टीशन पर उतरि जखने बाहर एलहुँ कि एकटा हवाइबस उपर सं गेल जे हमर धियान आकर्षित केलक. तखने हनुमान मंदिरक घंटाक स्वर कान मे पड़ल. चंदनजी दतमनि पकड़ओबैत कहलनि, आब बेसी समय हाथ मे नै अछि. स्नान आदि क' सोझे सेशन ज्वाइन करय पड़त…

युवा लेखक महोत्सव: अगरतला सं आबि क' (2)

मेघाच्छादित अगरतलाक अकास विक्टर आ कृष्णमोहन कविता सुनैत-सुनैत बेस राति भऽ गेल छल. मुदा, सुनबा-सुनयबाक अतृप्ति दुहू-दिस बनले छल. विक्टरक कविता बेस परिपक्व। कम लिखैत छथि. मुदा जे लिखैत छथि से समधानल, किछु तेहने आभास भेल. हुनकर एक गोट कविता '…

युवा लेखक महोत्सव: अगरतला सं आबि क' (1)

बाम भाग सँ बंगाली कवि प्रशान्त सरकार, असमिया कवि विक्टर राजकुमार आ मणिपुरी कवि ख.कृष्णमोहन सिंहक बीच मे हम. विगत 28-29 मइ केँ अगरतला मे 'अखिल भारतीय युवा लेखक महोत्सव'क आयोजन भेल. आयोजक छल, साहित्य अकादेमी. एहि महोत्सव मे चौबीसो मान्यत…

एकटा उत्कृष्ट काव्यात्मक अभिव्यक्ति अछि 'धरतीसँ अकास धरि'

समकालीन मैथिली साहित्य मे युवा कवि लोकनि मे चंदनकुमार झा विशिष्ट ओ सशक्त हस्ताक्षरक रूप मे द्रुत गति सं उभरिकए समुपस्थित भेलाह अछि.  कवि चंदनकुमार जीक पहिल कविता -संग्रह "धरतीसँ अकास धरि" मानवीय संवेदना मूल्य कें सुस्थापित करबाक समीचीन…

सम्यक जिनगी जीबाक प्रेरणा सं ओतप्रोत 'एक मिसिया'

सूचना प्रौद्योगिकीक एहि युग मे समस्त युवा वर्ग आइ अपन रोजी रोटीक लेल भारते नहि, विदेशो दिस ससरि रहल अछि. युवावर्गक पलायन सं आवश्यकता सं अधिक कमाइ करबाक प्रवृत्ति सं ओ आइ अपन जड़ि, माटि, भाषा, संस्कॄति, साहित्य आदि सं कटल जा रहल अछि. हुनका पर मा…

महाकांत ठाकुर कें 'मैथिलीसेवी सम्मान'

मधुबनी: जानकी नवमी पर देशभरि मे ठाम-ठाम विविध आयोजन भेल अछि. मिथिला मे एकरे मैथिली दिवसक रूप मे मनाओल गेल. कतेको ठाम जानकीक प्रतिमा सहित पूजन कएल गेल त' भाषाप्रेमी लोकनि एकरा साहित्यिक आयोजनक संग मनओलनि. एहि अवसर पर रत्नेश्वर झा केर संयो…

गंगाक कोर खेलाएल अकासतर बैसकी

कलकत्ता: मैथिली कविता केँ समर्पित धारावाहिक गोष्ठी 'अकासतर बैसकी'क एहि बरखक चारिम आयोजन रविदिन, 1 मई 2016 केँ हावड़ा रेल संग्रहालयक निकट, गंगाक कछेर मे अवस्थित नागाबाबा आश्रम मे सम्पन्न भेल. बैसकीक अध्यक्षता प्रो. विद्यानन्द झा कयलनि.  …

राष्ट्रपति द्वारा पुरस्कृत भेल 'मिथिला मखान'

नवदिल्ली: मैथिली भाखा देशक बड़ मजगूत भाखा छै. ओहिना जेना हिन्दी, अंगरेजी, नेपाली, बंगाली छै. एक्को रत्ती उनइस नै छै एहि सभ सं...कइएक मामिला मे एकरा सभ सं एकइसे छै मैथिली. बस दरकार छै भाखा मे मजगूती सं काज करबाक. साहित्य मे मैथिली जे उत्कर्ष पओलक…

त्योंथ सरपंच, जनाकांक्षा आ जनादेश

त्योंथ (बेनीपट्टी) सं जनता जनार्दन   पांच साल पहिने पंचायतक लोक नबका भोरक आस मे एकटा युवा पर भरोस देखओने छल. एहन युवा जे कविमना कलाकार छल, रंगकर्मी छल, उद्यमी छल. सामाजिक काज मे अभिरुचि छलै. पंचायत मे सरपंचक रूप मे एकटा अराजनीतिक पृष्ठभूमिक  वशि…

'संपर्क' मे डॉ. अणिमा सिंह कें देल गेलनि श्रद्धांजलि

कलकत्ता : मासिक साहित्यिक गोष्ठी 'संपर्क'क बैसार रविदिन (10 अप्रील) स्थानीय नवीन प्रकाशन कार्यालय मे संपन्न भेल. बैसारक अध्यक्षता उमाकांत झा 'बक्शी' केलनि. उमाकांत झा 'बक्शी' सहित मिथिलेश कुमार झा, विजय इस्सर, आमोद कु…

मैथिली फिल्म 'मिथिला मखान' कें नेशनल अवार्ड

नव दिल्ली : 63म राष्ट्रीय पुरस्कारक घोषणा होइते मातर सगरो मिथिला मे हर्ष आ उल्लासक वातावरण बनि गेल अछि. कारण नितिन चन्द्रा द्वारा चम्पारण टाकिज बैनरक अधीन निर्देशित मैथिली फ़िल्म 'मिथिला मखान' कें 'बेस्ट फ़िल्म इन मैथिली'क राष्ट्री…

चन्द्रकलाक घरआपसीक कथा फ़िल्मी छै!

क्रिसमसक भोर. निन्न फुजले छल कि मोबाइल गाबि उठल. साल्टलेक थाना सं कॉल छल -'आसुन, आपनार लोक एसेछे बिहार थेके'. हमरा आश्चर्य भेल छल आ हर्ख सेहो. थाना-पुलिसक चक्कर सं कने भयो लागल छल. मुदा बीतल किछु दिन मे कएल काज पर हिम्मति छल. भास्करजी कें …

रंग भरल मौसिममे नेह मिला देब (गजल)

रंग भरल मौसिममे नेह मिला देब हम अहाँ दुनियाँकेँ चान चढा देब गाबि देबै नेहक गीत अहाँ आबि शेर हम होरीकेँ गाबि सुना देब नेह पर जगतीके भार टीकल छैक खाम्ह मिलि नेहक दू-चारि गड़ा देब मोनकेँ ने तोङब आइ अहाँ मीत घोरि अहलादक टा भांग पिया देब फागके…

चंचल मोन कोना चुप बइसत (गीत)

हम नहि साधु-संन्यासी, नहि जोगी-तपसी-संत चंचल म'न कोना चुप बैसत, एलइ ऋतु वसंत धरती शृंगारित युवती सन, पहिरल हरियर सारी केस सजौने फूलक गजरा, नवबंधु उनमत्त नारी मद मातल नैना सँ ताकै, कोना बनीं हिय हंत चंचल मोन कोना चुप बैसत, एलइ ऋतु वसंत स्व …

आब नोट पर अंकित होएत मैथिली!

नवदिल्ली : मैथिलीभाषी लोकनि लेल खुशखबरी छै जे आब ई भाषा भारतीय नोट पर अंकित कएल जाएत.    भाषाक आठम अनुसूचि मे स्थान भेटलाक बादे सं एकर मांग उठि रहल छलै. प्रधानमंत्री कार्यालय द्वारा रिजर्व बैंक कें एहि विषयक निर्देश देल गेल अछि. मैथिली सहित डोग…

Load More
That is All