मैथिली साहित्य उत्सव : एहि पार, ओहि पार


जाड़ खसल अछि. उत्सवक दौर शुरू भ' रहल अछि. मैथिली भाषा-साहित्य कें केंद्र क' विद्यापति पर्व समारोह होइत रहल अछि आ से व्यापक स्तर पर. गाम-गाम सं शहर-शहर धरिक विद्यापति समारोह खूब चर्चा मे रहैए.

एम्हर आबि क' लिटरेचर फेस्टिवल से ट्रेंड मे छै. विश्व भरि मे साहित्य उत्सव मनाओल जा रहल अछि. एहना मे मैथिली कोना ककरो सं पाछू रहत. एखन धरि दू बेर लिटरेचर फेस्टिवल मना चुकल मैथिली लेखक संघ,पटना तेसर खेपक आयोजनक दिवस घोषित क' देलक अछि. आयोजनक कार्यकारी विनोद कुमार झा जनबैत छथि जे तेसर आयोजन 17, 18 ओ 19 फरवरी 2017 कें होएत.

ओतहि बेस दिन सं ओहि पार मिथिला मे उत्सवक सुगबुगाहटि देखल जाइत छल. साहित्यिक अजित आजाद आह्लादित होइत जनतब देलनि जे जनकपुर मे सेहो 9, 10 ओ 11 दिसंबर 2016 कें लिटरेचर फेस्टिवल आयोजित होएत.

दुनू लिटरेचर फेस्टिवलक दिवस सार्वजनिक भेला उपरान्त साहित्यिक वर्ग लोकनि मे कार्यक्रम विवरण जनबाक उत्सुकता देखल जा रहल अछि. ई आयोजन मैथिली साहित्य लेल कतेको अर्थ मे बेस महत्वक होइत अछि.
Previous Post Next Post