सैनिक मिशन स्कूल केर वार्षिकोत्सव सम्पन्न

समस्तीपुर : सैनिक मिशन स्कूल, माधुरी चौक समस्तीपुरमे 28.03.2015कें एक भव्य वार्षिकोत्सव मनाओल गेल. एहि अवसरपर छात्र-छात्रा सभ द्वारा सांस्कृतिक कार्यक्रम प्रस्तुत कएल गेल. जाहिमे श्रुति, अंजलि, संघ्या, स्मृति, अन्नू, विकास, राकेश-2, दीपेश, हर्षबर्द्धन, आस्था, आंचल, आवंतिका, श्रेया आदि नाटक, नृत्य, भाषण प्रस्तुत केलनि. एहि अवसरपर विद्यालयक चीफ निदेशक डा. रामलखन राय, प्रबंध निदेशक नरेश मंडल, प्राचार्य बी. एन. झा, अभिभावक रमेश कुमार, योगेन्द्र राय, शीला कुमारी, कृष्णा कुमारी, श्वेता कुमारी आदि अपन विचार व्यक्त करैत कहलनि जे सैनिक मिशन स्कूलक पढ़ाइ, अनुशासन आ संस्कृति मेधाक प्रदर्शन उत्तम तरीकासं भ' रहल अछि. एहि अवसरपर वार्षिक रिजल्ट सेहो घोषित भेल आ छात्र-छात्रा सभकेँ पुरस्कार प्रदान कएल गेल. कार्यक्रमक अन्तमे संगीत-शिक्षिका अपन नृत्यक प्रदर्शन केलनि. कार्यक्रमक संचालन बी. एन. झा केलनि आ धन्यवाद ज्ञापन केलनि प्रभात राय.
(रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post