दिल्लीमे मनाओल गेल मिथिला विभूति पर्व


नव दिल्ली : ख़राब मौसम रहलाक बादो बीतल रविदिन किराड़ीक दुर्गा चौक पर चारिम मिथिला विभूति पर्व संपन्न भेल. कार्यक्रमक शुरूआत बाबा विद्यापतिक प्रतिमा पर पुष्प, माल्यार्पित एवं दीप प्रज्ज्वलितक' विधिवत कार्य प्रारंभ भेल. सांस्कृतिक कार्यक्रमक शुरूआत मिथिलाक प्रसिद्ध पारंपरिक गोसाउनिक गीत ‘जय जय भैरवि असुर भयावनि पशुपति भामिनि माया’ सं कायल गेल. कार्यक्रम‘क बीच-बीचमे आमंत्रित अतिथिगणकें पाग दोपटा आ पुष्पमालासं संस्थाक सदस्य लोकनिक द्वारा सम्मानित कयल गेलनि. किराड़ी विधानसभासं नवनिर्वाचित ‘आप’क विधायक ऋतुराज गोविंद झाक स्वागत संस्थाक संस्थापक नरेन्द्र ठाकुर आ बुराड़ीसं विधायक संजीव झाक स्वागत एमएसएसक अध्यक्ष सुमन ठाकुर केलनि. बुराड़ीसं एहिबेरक भाजपाक प्रत्याशी गोपाल झा, प्रताप विहारसं निगम पार्षद रामदयाल महतो आदि लोकनि सेहो शामिल छलथि. मुदा किराड़ीसं पूर्व विधायक अनिल झा एवं हुनक धर्मपत्नी पूनम पराशर झा संस्थाक द्वारा आमंत्रण देलाक बावजूदो नहि उपस्थित भेलाह.  


संस्थाक द्वारा मिथिला मैथिलीक लेल कार्य केनिहार कार्यकर्ता लोकनिक सम्मान सेहो कएल गेल. कार्यक्रममे स्थानीय विधायक ऋतुराज अपन भाषणमे क्षेत्रक जनताक लेल सर्वप्रथम तीन गोट कार्य करवाक वचन बाबा विधापतिक मंचसं देइत कहलनि जे ‘एहिठाम हम बाबा विद्यापतिक नाम पर विद्यापति भवन, विद्यापति मार्ग आ विद्यापति द्वार बनेबाक लेल कार्य योजना तैयार क' रहल छथि. अपनेसभ जहिना एखनधरि स्नेह देइत रहलहुं तहिना आगू देइत रहब ओहिमे कोनो कंजूसी नहि करब.’ तहिना विधायक संजीव झा सेहो मैथिल समाजकें हर संभव मददि करबाक भरोसा देलनि. गोपाल झा संस्थाकें मजगूतीसं कार्य करबामे सहयोग देबाक वचन देलनि. संस्थाक संस्थापक नरेन्द्र ठाकुर विधायक ऋतुराज झाकें सम्मानित करैत कहलनि जे ‘आब ई पाग अपने लोकनिकें मांथ पर अछि जाहिमे करोड़ो मैथिल समाज केर मान-सम्मान एहिमे समाहित अछि जेकरा अपनेलोकनि संज्ञान राखैत मैथिल समाज केर  संपूर्ण विकास आ संरक्षण‘क लेल काज करब त' मैथिल समाज अपनेक प्रति स्नेहमे कहियो कोनो कमी नहि राखत.’

दोसर दिस रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रममे मशहूर गायक-अभिनेता विकास झा अपन गीतसं उपस्थित श्रोताकें झुमा देलनि. त' दोसर दिस राधे भाइ, अंजू झा, नवोविदत गायिका जूली झा अपन सुमधुर आवाजसं संपूर्ण वातावरणकें रमणीय बना देलीह. तहिना आमोद झा एवं ऋषिजी बाबा विद्यापतिक रचना गाबि महौलकें मनमोहक बना देलनि.

संस्थाक अध्यक्ष सुमन ठाकुर कहलनि जे ‘मौसम अनुकूल नहि हेबाक बावजूदो एहि कार्यक्रम मे बाबा विद्यापतिकें स्मरण क' कार्यक्रमक विधिवत शुरूआत कयलहुं जे बाबाक कृपासं कार्यक्रम सफलतापर्वूक संपन्न भेल.’ मैथिली स्वंयसेवक संघ आन बेरक भांति अहुबेर संस्थाक द्वारा युवा चरित्र निर्माण‘क लेल स्वामी विवेकानन्द जीवण आधारित कहानी‘क पोथी सेहो वितरण केलक.

(रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post