एबीएमपी देलक हाक, 22कें सामूहिक उपवास


पटना : अखिल भारतीय मिथिला पार्टी बिहार दिवसकें सरकार द्वारा मिथिलाक घोर उपेक्षाकें ल' सामूहिक उपवास केर हाक देलक अछि. 22-23 मार्चकें बिहारक विभिन्न जिला समाहरणालयक समक्ष मिथिलावादी लोकनिक जुटान होएत आ ओ लोकनि सामूहिक उपवास करताह आ कारी झंडा देखा अपन विरोध प्रकट करताह। पार्टीक राष्ट्रीय सचिव रत्नेश्वर झा मिथिमीडियाकें जनओलनि अछि जे बिहार सहित देशक विभिन्न ठाम सामूहिक उपवास कएल जाएत. एहि हेतु विभिन्न जिलामे संयोजन समिति गठित कएल गेल अछि. लगभग 21 ठाम ई उपवास आयोजित होएत आ 500कें करीप मिथिलावादी उपासपर रहताह. 

ओ कहलनि जे एहि आयोजनमे मिथिलाक बुद्धिजीवी वर्ग सहित आमजनक बेस समर्थन पार्टीकें हासिल भेल अछि. बिहार सरकारक भक फोलबा लेल हमरा सभ एकजुट भ' रहल छी. मिथिलाक लोक सरकारक उपेक्षासं आजिज आबि गेल अछि. आब लोक ठकहरबा नेता सभकें नीक जकां चीन्हि गेल अछि. सत्ताक लोभी सभ मिथिलाक घोर उपेक्षा केलक अछि. मिथिलाक भोटसं पटनाक सरकार बनइए आ वएह सरकार फेर मिथिलासं ओलि लइए.

एहि उपवासकें आगामी विधानसभा चुनाव लेल पार्टीक डेगक रूपमे सेहो देखल जा रहल अछि. देखबाक चाही जे एहिसं पार्टीकें कतेक राजनीतिक बल भेटैए. एही लागल जओं किछु काज मिथिला क्षेत्रमे होइए सएह जनताक हाथ आओत.

(रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post