सिनेमा पर्दापर रमौलवालीसं होएत भेंट


दड़िभंगा/जनकपुर : ओहिना मोन होयत एफएम कार्यक्रमक ओ रमौलवाली. समस्त मिथिलाक लोक कान पथने सुनैत छल रमौलवालीक ओ हास्य संवाद. आब रमौलवाली सिनेमा पर्दा पर साक्षात आबि रहल अछि बेस हास्य ल'क'. प्लेबैक एंटरटेनमेंट एंड मीडिया ल'क' आबि रहल अछि फिल्म जेहने साउस तेहने पुतौह. एहि सिनेमामे उषा पासवान ओ रीना यादव (रमौलवाली) केर जबरदस्त कॉमेडी देखबा लेल भेटत. मल्टीस्टारर एहि फिल्ममे गायिका पूनम मिश्रा अपन सिनेमा पारी शुरू क' रहलीह अछि त' माधव राय फेरसं एक धमाकेदार भूमिकामे सबहक सोझां आबि रहल छथि. 

एकर संगहि मुस्कान त्रिपाठी, बी एन पटेल, अभिषेक कर्ण , राहुल मिश्रा , अनिल झा , नीलकांत झा , अनिल कामत, लक्ष्मण  पोद्दार, मीरा झा , जयशंकर चौधरी , गंगेश झा , वोल्टा सिंघानिया, रिया, रागिनी सिंह, सोमनाथ, दीपू राज़, सोनी, रंजीत यादव , अनिल श्रीवास्तव, पंकज, उपेन्द्र आदि लोकनि विभिन्न भूमिकामे छथि.

फिल्म निर्माता अनिल कुमार झा (सुमनजी) छथि. निर्देशक चन्दन मिश्र जनओलनि जे स्तरीय तकनीकक प्रयोग फिल्म निर्माणमे भेल अछि. फ़िल्मक कथानक फुल एंटरटेनमेंटक संगहि संदेश सेहो समाहित केने अछि. एकर प्रोमो बेस लोकप्रिय भ' रहल अछि. फिल्म शीघ्र प्रदर्शित होमय जा रहल अछि.

फिल्म प्रोमो: https://www.youtube.com/watch?v=VxzUOnIN8A8

(रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post