कोकिल मंचक रजत जयंती उत्सवक आयोजन

कलकत्ता : नाट्य संस्था कोकिल मंच 25 वर्ष पूर्ण केलक अछि, एहि  अवसर पर 31 जनवरी-1 फरवरीकें दू दिवसीय कार्यक्रमक आयोजन कएल गेल अछि. मंचक सचिव नबोनारायण मिश्र जनओलनि जे मिंटू पार्कक निकट विद्या मंदिर प्रेक्षागृहमे आयोजित दू दिवसीय कार्यक्रमक पहिल दिन अर्थात शनिदिन 31 जनवरीकें सांझ 4.30 बजेसं गीत-संगीतक कार्यक्रम आयोजित अछि. एहिमे दड़िभंगासं मैथिली गायक-अभिनेता माधव राय ओ बंगलूरूसं स्वर कोकिला रजनी पल्लवी द्वारा गीत-संगीतक कार्यक्रम प्रस्तुत कएल जायत. 

कार्यक्रमक दोसर दिन मने रविदिन 1 फरवरीकें सांझ 4.30 बजेसं गंगा झा केर निर्देशनमे डॉ. योगेन्द्र पाठक 'वियोगी' लिखित नाटक 'बूढ़ भेल बलाय'क मंचन होयत. ई कोकिल मंच केर 33म नाट्य प्रस्तुति अछि. ई नाटक आजुक मध्यम वर्गीय परिवारमे वृद्धसभक उहापोह आ मनोदशा'क सहज चित्रण अछि. एहिमे जेनरेशन गैप'क नामपर एक पिढ़ीसँ दोसर पिढ़ीकेँ बीच घटैत लगावकें बड़ मार्मिक ढ़ंगसँ देखायल गेल अछि. पारिवारिक सम्बन्धपर निकट सम्बन्धियोक लोभ-लिप्सा कोन तरहेँ हावी भेल जा रहल अछि आ संतानक लेल वृद्ध माता-पिता कोना बोझ बुझल जाइत छथि तकरे कथा कहैए-बूढ़ भेल बलाय.

(रिपोर्ट : चन्दनकुमार झा)
Previous Post Next Post