संगीत संध्या पर झूमि उठल लोक

कलकत्ता: मिथिला विकास परिषद दिस सं आयोजित संगीत संध्या उपस्थित दर्शकक खूब मनोरंजन कएलक. विगत रवि कें स्थानीय गिरीश पार्क मे मिथिला विभूति पर्व समारोहक अवसर पर नव दिल्ली सं कुमकुम मिश्रा ओ हुनक टीम द्वारा गीत-संगीत केर कार्यक्रम प्रस्तुत कएल गेल. दू सत्र मे विभक्त कार्यक्रम गोसाओनिक गीत सं शुरु भेल. पहिल सत्र मे समाजसेवी कामदेव झा, साहित्यविद रामकुमार मुखोपाध्याय, अशोक झा सहित अन्यान्य लोकनि उपस्थित छलाह. रामकुमार कुमार मुखोपाध्याय मैथिली आ बाँग्ला कें एकदम समीप केर भाखा बतओलनि. ओ कहलनि जे विद्यापतिक रचल साहित्य केर लोकप्रियता एखन सेहो ओहिना बनल अछि. मिथिला विकास परिषद अध्यक्ष अशोक झा कहलनि जे  आब खाली मैथिली-मिथिला केने नहि चलत. आब व्यापक अर्थ मे सोचबाक चाही. विधायक स्मिता बक्शी अशोक झा केर मांग कें मानैत विवेकानन्द आ विद्यापति पर आधारित रिसर्च संस्थान लेल फण्ड देबाक बात स्वीकार केलनि. दोसर सत्र मे कुमकुम मिश्रा ओ हुनक दल द्वारा गीत-संगीत केर कार्यक्रम प्रस्तुत कएल गेल. किशुनजी ओ गिरीशज़ीक गायन सेहो लोकक खूब मनोरंजन कयलक. ई लोकनि दिल्ली सं आएल छलाह. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो )
Previous Post Next Post