काशी सं सोझे मिथिला पहुँचलाह मोदी

दड़िभंगा: भारतीय जनता पार्टी केर प्रधानमंत्री पद प्रत्याशी नरेन्द्र मोदी बृहस्पति कें काशी सं सोझे मिथिला पहुँचलाह. ओ वाराणसी मे पहिने चुनावी नामांकन करओलनि. फेर मिथिला दिस विदा भेलाह. ओ मिथिलाक सहरसा, दड़िभंगा ओ मधुबनी मे बीजेपी उमेदवार कें जीतयबाक अपील कयलनि. ओ पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी कें स्मरण करैत मिथिलाक विकास कें बात कहलनि. वाराणसी मे नामांकनक बाद सोझे सहरसा पहुंचल नरेन्द्र मोदी सहरसाक पटेल मैदान मे कोसीक विकासक भावी कार्ययोजना बतओलनि. पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी केर शासन काल मे संपन्न भेल कोसी महासेतु सन विकास कार्य केर चर्चा करैत नरेन्द्र मोदी कहलनि जे वाजपेयी जी निर्मली महासेतु केर शिलान्यास कयलनि आ परियोजना पूरा भेल मुदा निर्मली मे रेल महासेतु परियोजना अटकल अछि. दरभंगा-मधुबनी मे भाजपाक पीएम पद उमेदवार नरेन्द्र मोदी कहलनि जे एहि बेर कांग्रेस आ ओकर सहयोगी दल कतेको राज्य मे खाता नहि खोलि सकत. ओ मधुबनी मे हवाई अड्डा मैदान आ दड़िभंगा राज मैदान मे चुनावी सभा कें सम्बोधित कयलनि. ओ कहलनि जे मैथिली अत्यंत मधुर भाषा अछि. अटल जी केर सरकार बनल त' ओ आठम अनुसूचि मे एकरा स्थान देलनि. देश मे मोदी लहरि अछइत मिथिला मे जनप्रतिनिधि लोकनिक किरदानी सं कमजोर भेल जनाधार कें एहि जनसभा सभ सं कत्तेक बल भेटलैक से चुनाव बादे देखल जा सकत.   
मिरानिसे कएलक राज्य निर्माणक मांग: दड़िभंगा मे मिथिला राज्य निर्माण सेना केर कार्यकर्ता लोकनि मिथिला राज्यक निर्माणक माँग करइत मोदीक सोझां बड़का बैनर लगा प्रदर्शन कयलक. मोदी पोस्टर देखि बजलाह जे हम अहां लोकनिक दुख-दर्द बुझै छी. कीर्ति आजाद पृथक मिथिला राज्यक समर्थक छथि संगहि लोजपा नेता रामचन्द्र पासवान सेहो पृथक राज्यक समर्थन मे बजलाह. 
बीजेपी केर चुनावी धोषणापत्र मैथिली मे: भारतीय जनता पार्टी मैथिली मे घोषणपत्र जारी केलक अछि. पार्टी 11टा मान्यताप्राप्त भाखा मे घोषणपत्र जारी केलक, जाहि मे मैथिली सेहो अछि. बिहार सरकार ओ आन दल सभक मैथिली प्रति रुख व्यवहारक मारि झेलैत भाखाप्रेमी लेल ई औखधि सं कम नहि अछि. ज्ञात हो जे अखिल भारतीय मिथिला पार्टी केर घोषणापत्र सेहो मैथिली मे अछि, जकर मधुबनी सं रत्नेश्वर झा उमेदवार छथि आ चुनावचिह्न नारिकेर अछि.
(Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो/ Photo: FB )
Previous Post Next Post