
मैथिली भाषा एवं साहित्यक विकास मे साहित्यिक पत्र-पत्रिकाक योगदान विषय पर आयोजित परिसंवाद दू सत्र मे भेल. पहिल सत्र केर अध्यक्षता राजनन्दन लाल दास कयलनि. तारा कान्त झा, रामलोचन ठाकुर ओ अनमोल झा आलेख पाठ कयलनि. दोसर सत्र वीरेन्द्र मल्लिक केर अध्यक्षता मे शुरू भेल जाहि मे नवीन चौधरी, अशोक झा ओ मिथिलेश कुमार झा आलेख पढलनि. समापन सत्र केर अध्यक्षता किशोरी कान्त मिश्र कय्लनि आ पर्यवेक्षण महेंद्र हजारी कयलनि. गुणनाथ झा केर भाषणक पश्चात् परिसंवाद केर कार्यक्रम समाप्त भेल. मैथिली साहित्यिक लोकनि पत्र-पत्रिका कें भाखा-साहित्य केर प्राण बतओलनि.
सुरेश्वर झा लेखक सं भेंट कार्यक्रम मे अपन अनुभव ओ रचनात्मक यात्रा शेयर कयलनि. संगहि ओ उपस्थित मैथिलजन केर मैथिली भाखा-साहित्य पर आधारित विभिन्न प्रश्न केर उत्तर देलनि. वीणा ठाकुर उपस्थित मैथिलजन कें धन्यवाद देलनि. (Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Tags:
हालचाल