'छूटत नहि प्रेमक रंग' जमओलक रंग

नव दिल्ली. ओम राजेश्वरी त्रिपुरसुन्दरी प्रोडक्शन हाउसक बैनर मे बनल दीर्घ समय स' प्रतीक्षारत मैथिली फ़िल्म 'छूटत नहि प्रेमक रंग' केर 10 मइ कें प्रवासी मैथिल लोकनि कें धियान मे रखैत नीलम सिनेमा फ़रीदाबाद (हरियाणा) मे सफलतापूर्वक प्रदर्शित कएल गेल. पहिल प्रदर्शन बेस प्रभावी रहल कारण जे यूपी, हरियाणा आ दिल्ली सं आयल दर्शक लोकनि कें ई फिल्म बेस पसिन पड़लनि. विधवा विवाह पर आधारित एहि फ़िल्म मे अभिनय केलनि अछि राधाकान्त झा, सोनिया झा, अनिल मिश्र, खुशबू मिश्र, गोविन्द पाठक, नीलेश दीपक, रामनारायण, रविंदर, अमित, जयजय, मदन ठाकुर, परमेश, कमलानन्द शास्त्री, प्रेम, विश्वनाथ, बबन, अनीता रानी आदि. फ़िल्मक  निर्माता -एस .के.ठाकुर , सह- निर्माता-राजीव कुमार मिश्र, निर्देशन - संतोष झा, सह-निर्देशन-अमरजीत राय केलनि अछि. संगीतकार: सुनील मल्लिक -प्रवेश मल्लिक, पटकथा आ संवाद : शुभेंदु शेखर, गीतकार : अशोक दत्त, कुमार शैलेन्द्र, धीरेन्द्र प्रेमर्षि, डॉ. राजेंद्र विमल, स्वर : सुनील मल्लिक, अंशु माला, नेहा प्रियदर्शिनी, प्रवेश मल्लिक, पंकज प्रसाद, समरजीत रॉय, चंद्रेश पाण्डेय, रमेश मल्लिक, ललित कामत, सावनी, नुपूर, चंद्रेश, अंजू नागर, मोहम्मद फहीम आदि. फ़िल्मक सहनिर्माता राजीव मिश्र जानकारी देइत कहलनि जे फरीदाबाद मे पहिल प्रदर्शित एहि फिल्म कें शीघ्राति-शीघ्र मिथिला समेत बिहारक बेसी स' बेसी क्षेत्र मे प्रदर्शन हेतु हमरा लोकनि तैयार छी, आशा अछि जे भाषाप्रेमी दर्शक आ मीडिया कर्मी लोकनिक असीम सिनेह भेटत. (Report/Photo: मनीष झा 'बौआभाइ')
Previous Post Next Post